मधुबनी मे घूस लैत गिरफ्तार भेल जूनियर इंजीनियर

    0
    288
    आरोपी इंजीनियर विकास मधुबनीक पंडौल मे पदस्थापित अछि। आटा चक्की चलेबाक लेल बिजली कनेक्शन देबाक बदला मे विकास राजेश पासवान सं घूसक मांग केने छल।
    बताओल जा रहल अछि जे, सकरी थाना इलाला के राजेश पासवान निगरानी विभाग मे शिकायत दर्ज करेने छल कि आटा चक्की चलेबाक लेल बिजली कनेक्शन के लेल जूनियर इंजीनियर 30 हजार रुपैया बतौर घूसक मांग केलक अछि।

    शिकायत के बाद निगरानी विभागक टीम बुधदिन मधुबनी पहुंचल आ दिनभरि विकास कुमार पर नजरि  रखने रहल। साँझ मे करीब 5.30 बजे मधुबनी के हनुमाननगर कॉलोनी स्थित आवास पर जहन विकास राजेश स 15 हजार रुपैया घूस लेलक त निगरानीक टीम गिरफ्तार कय लेलक।