कांवरिया स भरल बस पलटल, एकटा महिलाक मौत संगहि 18 कांवरिया घायल

    0
    249

    मिथिला मिरर: सावन महिना मे शिवभक्त स भरल एकटा बस के दुर्घटनाग्रस्त होयबाक समाचार प्रकाशित भेल अछि। नवादा-सिकंदरा मुख्य पथ पर सिकंदर थाना क्षेत्रक अंतर्गत महना गामक समीप मंगलदिन साँझ मे कांवरिया स भरल एकटा बस दुर्घटनाग्रस्त भय गेल।

    सूत्रक अनुसार बस मे सवार एक महिला कांवरिया के घटनास्थले पर मौत भय गेलनि तथा 18 गोट अन्य कांवरिया घायल भय गेलाह। जानकारीक अनुसार कांवरिया झारखंडक गढ़वा जिलाक भंडारी गाम स बाबा भोलेनाथक पूजा करबाक लेल सुलतानगंज जा रहल छलाह।