mithilamirror@gmail.com
+919560295811

नशाक हालतमे गिरफ्तार कएल गेल कीर्ति आजादक सार अजय चौधरी

| महत्वपूर्ण खबरे

दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगासँ निलंबित बीजेपी सांसद कीर्ति आजादक सार आ कांग्रेस नेत्री पूनम आजादक भाई अजय चौधरीकें शराब पिबैत नशाक हालतमे पुलिस गिरफ्तार कए जेल पठा देलक अछि। गिरफ्तार अजय चौधरीक संग सं एकटा महग शराबक बोतल सेहो जब्त कएल गेल अछि, जकर कीमत लाखोमे बताओल जा रहल अछि।

दरअसल अजय चौधरी अपन घरमे बैस कए ने सिर्फ शराब पीबि रहल छल बल्कि नशा चढ़लाक बाद अपन पत्नी रीता चौधरीकें संग मारिपीट करए लागल छल। अपन जान खतरामे देखि रीता चौधरी स्वं पुलिसकें अहि बातक लिखित शिकायत केलनि, जकरा बाद पुलिस अजय चौधरीकें घर सं गिरफ्तार कए थाना लए गेल जतए सं कागजी खानापूर्तिक बाद सीधे जेल पठा देल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*