मधुबनी-नेपाल बॉर्डर स 17 मवेशीक संग चारि टा तस्कर गिरफ्तार

    0
    275

    मधुबनी, मिथिला मिरर: 14वीं बटालियन के हरिणे एसएसबीक जवान मधुबनी जिलाक हरलाखी के समीप इटहरवा बॉर्डर स 17 मवेशीक संग चारी टा तस्कर के गिरफ्तार केलनि। जब्त मवेशी मे 8 टा गाय एवं 9 टा बैल अछि। गिरफ्तार पशु तस्कर नेपालक धनुषा जिलाक तरही गामक मो. इकबाल नदाफ, मो. तजीम, मुस्तकीम एवं फेकन नदाफ बताओल जा रहल अछि।

    एसएसबीक सहायक कमांडेंट दयानंद झाक नेतृत्व मे इंस्पेक्टर बीआर तनवर सहित दर्जन भरि जवान बुधदिन भोरे स्पेशल नाका के तहत कार्रवाई कयलनि। जब्त मवेशीक अनुमानित कीमत एक लाख 66 हजार लगाओल जा रहल अछि। ओतहि एकटा दोसर मामला मे खौना कैंपक जवान 58 किलो सुपारी एवं एकटा बाइक जब्त कय सीमा पर विशेष नजरि रखने छथि।

    तस्करी रोकबाक लेल जवान सीमा पर 24 घंटा मौजूद छठी। एसएसबी द्वारा 15 अगस्त के लय क बॉर्डर पर विशेष चौकसी देखल जा रहल अछि। जवान द्वारा आबय-जाए बला सब के सघन तलाशी लेल जा रहल अछि। एसएसबीक सहायक कमांडेंट दयानंद झा कहलनि जे, एसएसबी कोनो परिस्थिति स निपटबाक लेल तैयार अछि।