मधुबनीक निधि चौक पर बनत नवका बस स्टैंड

0
380

मधुबनी, मिथिला मिरर : महानगर के कहै आब छोट-छोट शहर ट्रैफिक जामक समस्यासँ जूझि रहल अछि। दिनानुदिन बढ़ैत जनसंख्याक कारण यातायातक  समस्या सेहो बढि  रहल अछि। मोटरसाइकिल, कार, टेम्पो, बस, ट्रकसँ सड़क पर सदिखन जाम लागल रहैत अछि। एहन परिस्थितिकेँ  देखैत मधुबनी नगर पालिका निर्णय लेलक अछि जे आब नवका बस स्टैंड निधि चौक पर बनाओल जाय। पूर्वमे पारित प्रस्तावक आलोकमे सशक्त स्थायी समिति, नगर परिषद् मधुबनी अपना फण्डसँ बस स्टैंड बनेबाक निर्णय केलक अछि। बहुत पहिनेसँ ई प्रस्ताब अटकल छल।  वास्तविकता ई अछि जे पूरा मधुबनी शहर बेसी काल जामसँ जुझैत रहैत अछि आ लोकसभकेँ परेशानी होइत छनि। नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी जटा शंकर झा बतौलनी जे बस स्टैंडक निर्माण प्रक्रिया पूरा क’ लेल गेल अछि, आ अगिला महिना यानि सितम्बरसँ निर्माण कार्य शुरू भ’ जायत। नबका बस स्टैंड आधुनिक सुविधासँ लैश रहत जाहिमे पेयजल, बिजली, पार्किंग, यात्री शेड संगहि यात्री सुरक्षाक पुख्ता बंदोबस्त रहत। लोकसभके सभसँ बेसी चिंता सुरक्षाके ल’ रहैत छनि जकर पूरा इंतजाम कएल जायत। यात्री सभकेँ कोनो तरहक दिक्कत नै होय एहि बातक पूरा ध्यान राखल जायत संगहि बस स्टैंडमे एकटा मॉलक निर्माण सेहो होयत जाहिमे खान-पानसँ ल’ कपड़ा-लत्ता आदिक दोकान रहत ताकि यात्री सभकेँ खेनाइ-पिनायमे दिक्कत नै होइन।  जँ सभ किछु ठीक-ठाक रहत त’ अगिला साल तक बस स्टैंड बनि क’ तैयार भ’ जायत जेहिसँ मधुबनी शहर आ एतय आबय बला लोककेँ किछु हद तक जामक समस्यासँ कम सामना करय पड़तनि।