दरिभंगा मेडिकल कॉलेजक दर्जा दिल्लीक एम्स अस्तपताल सदृश हो: मिथिला विकास परिषद

    0
    299

    कोलकाता, मिथिला मिरर-राजकुमार झा: मिथिला क्षेत्रक विकासक बसात सभतरि बहए एवं सभ क्यो प्रत्यक्षतः लाभान्वित होइथ एहि लेल “मिथिला विकास परिषद”, कोलकाता अपन स्थापना कालहिं सँ क्षेत्रीय स्तर पर एवं राष्ट्रीय स्तर पर पुरजोर आवाज बुलंद करैत आबि रहल अछि। परिणामस्वरूप परिषद वांछित एवं आकांक्षित सफलता प्राप्त करैत आबि रहल अछि। काज केनिहार संगठन जँ लक्ष्य प्राप्ति हेतु ऊर्जाक सम्यक व सार्थक उपयोग करैथ, निश्चित रूपेण सफलता प्राप्त हयत एहि मे रंचमात्रहुँ दुविधा नञि।

    ज्ञातव्य हो कि “मिथिला विकास परिषद” अपना चरित्रक अनुसारे विगत् 29 जुलाई, 2016 कें दिल्ली मे “दरिभंगा स्थित मेडिकल कओलेजक” वर्तमान दयनीय स्थिति संबंधित विषयक समस्याक स्थायी समाधानक निमित्त केन्द्र सरकारक केन्द्रिय मंत्री सँ भेंट कय एवं ज्ञापन दैत विस्तृत विचार-विमर्श करैत ध्यान आकृष्ट करेबाक सफल प्रयास कयलक। परिषदक अध्यक्ष अशोक झा दिल्ली प्रवासक दरम्यान अपना संग कोलकाता मे कार्यरत् मैथिलीक वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा ‘सागर’ कें संगोर कय केन्द्र सरकारक पूर्व स्वास्थ्य मंत्री एवं वर्तमान मे विज्ञान आओर प्रौद्योगिकी एवं पृथ्वी विज्ञान मंत्री डाॅ. हर्षबर्द्धन सँ भेंट करैत मिथिलांचलक सर्वांगीण विकासक मुद्दा पर गंभीर व विस्तृत बातचीत कयलनि। मिथिलाक सर्वांगीण विकासक मुद्दा विशेषरूपें स्वास्थ्य, सड़क, परिवहन तथा शिक्षा सँ संबंधित तथ्यक दयनीय अवस्था सँ अस्त व्यस्त स्थितिक जनतबक क्रम मे प्रमुखता सँ दरिभंगा स्थित मेडिकल कओलेजक लचर व्यवस्था दिश ध्यान आकृष्ट करायल गेल।

    विदित हो कि डाॅ. हर्षबर्द्धन वरिष्ठ चिकित्सक सेहो छथि। “मिथिला विकास परिषद”क स्पष्ट मान्यता छैक तथा प्रमाणिक तथ्यक आधारक मुताबिक मांग छैक जे दिल्ली मे जे एम्स अछि ओहि सँ बेशी रकबा मे दरिभंगा मेडिकल कओलेज स्थापित अछि। एहि आधार पर कियेक नञ दरिभंगा मेडिकल कओलेज कें एम्स सदृश दर्जा देल जाय? अशोक झा विस्तार सँ चर्चा करैत मंत्री महोदय सँ लिखित आश्वासनक मांग कयलनि। परिषदक अध्यक्ष अशोक झा बतौलन्हि जे मंत्री महोदय त्वरित कारवाई करैत निर्माण भवन, नई दिल्ली, स्थित भारत सरकारक स्वास्थ्य एवं परिवार कल्याण मंत्री जे. पी. नड्ढा सँ सम्पर्क कय हमरालोकैन कें हुनका सँ भेंट करबाक तिथि व समय निर्धारित करा देलथि। डाॅ. हर्षबर्द्धन द्वारा एक आओरो सूचना प्राप्त भेल जे दरिभंगा मेडिकल कओलेजक परिसेवा के आधुनिकीकरण करबाक सम्पूर्ण जिम्मेदारी बिहार राज्य सरकारक अधीन अछि। केन्द्र सरकार परिसेवाक संचालन हेतु मात्र वित्तीय सहयोग करैत अछि।

    अस्तु, एहि औचित्यपूर्ण मांग के क्रियान्वित करबाक लेल “मिथिला विकास परिषद” शीध्रहि शिष्ठमंडलक संग बिहारक मुख्यमंत्री नितीश कुमार सँ भेंट करबाक योजना बना रहल अछि। दिल्ली मे डाॅ. हर्षबर्द्धनजी सँ भेंट वार्ताक उपरांत दिनांक 16.08.2016 कें केन्द्र सरकारक विज्ञान आओर प्रौद्योगिकी एवं पृथ्वी विकास मंत्री स्वास्थ्य, भारत सरकारक निजी सचिव डी. एन. सिंह (भारतीय प्रशासनिक सेवा) द्वारा भारत सरकार के निजी सचिव, स्वास्थ्य एवं परिवार कल्याण मंत्री कें पत्र लिखी दरिभंगा मेडिकल कओलेज के एम्स सदृश दर्जा प्रदान करबाक सिफारिश कयल गेल जाहि पत्रक पत्रांक संख्या D.O. No. 13277 PS/M(SNT&ESI)2016 Dt. 16.08.2016 अछि।

    उपर्युक्त लिखित पत्रक प्रतिलिपि “मिथिला विकास परिषद”, कोलकाताक केन्द्रिय अध्यक्ष अशोक झा कें सेहो प्रेषित कयल गेल। दिनांक 01.09.2016 कें परिषदक अध्यक्ष पत्र प्राप्त कयलनि। “मिथिला विकास परिषद” अतिशीध्र दरिभंगा मेडिकल कओलेज कें आधुनिकीकरण एवं एम्स सदृश दर्जा प्राप्त होइक एहि महत्वपूर्ण मांगक हेतु बिहारक मुख्यमंत्री नितीश कुमार सँ भेंट करबाक कार्यक्रम निर्धारित करय जा रहल अछि संगहि मिथिलाक लचर स्वास्थ्य व्यवस्था पर जन-जागरण अभियान संचालित करबाक व्यापक कार्रयोजना सेहो निर्धारित करबाक योजना बना रहल अछि।