बिहार टॉपर्स घोटालाक मास्‍टर माइंड बच्चा रायकें सर्वोच्च न्यायालय सं नहि भेटल जमानत

    0
    252

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक इंटर टॉपर घोटालाक मास्टरमाइंड बच्चा रायकें सुप्रीम कोर्ट सं झटका लागल अछि। सुप्रीम कोर्ट बच्चा रायकें जमानत रद्द करबाक आदेश देलक अछि। जमानत रद्द हेबाक बाद आब बच्चा रायके जेल सं बाहर निकलबाक रस्ता फिलहाल बंद भए गेल।

    बिहार सरकारक याचिका पर सुप्रीम कोर्ट बृहस्पति दिन ई फैसला सुनेलक अछि। सुप्रीम कोर्टमे जस्टिस एनवी रमन्ना आ जस्टिस पीसी पंतक बेंच अहि मामलामे फैसला सुनेलक अछि। ज्ञात हो कि  बिहार सरकार अपन याचिकामे मांग केने छल जे, बच्चा रायकें हाईकोर्ट सं भेटल अंतरिम जमानतकें रद्द कएल जाए।

    टॉपर्स स्कैमक मास्टरमाइंड बच्चा रायकें पटना हाईकोर्ट सं भेटल जमानतक खिलाफ बिहार सरकार सुप्रीम कोर्ट पहुंचल छल। दरअसल, पटना हाईकोर्ट बच्चा रायकें अंतरिम जमानत देने छल।