दिल्लीक व्यापार मेलामे आकर्षणक केन्द्र बनल अछि मिथिलालोक पाग

    0
    272

    दिल्ली-मिथिला मिररः ओना त दिल्लीक प्रगति मैदानमे हर बरख लगैवला व्यापार मेलामे मिथिला-मैथिलीक झलकी त देखवामे भेटते रहल अछि मुदा अहि बेरक व्यापार मेलामे मिथिलाक सतरंगा पाग आम लोकक संग-संग विदेशी पाहुन लोकनिक बीच सेहो अति लोकप्रिय बनल अछि। 25 नवंबर कऽ मिथिलालोक आ क्राफ्ट म्यूजियम द्वारा संयुक्त संवाददाता सम्मेलन कैल गेल।
    संवाददाता सम्मेलनकें संबोधित करैत मिथिलालोक फाउंडेशनक संस्थाक आ जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा कहला जे पाग झपवाक परंपरा प्रायः सब धर्म आ सब समाजमे छैक आ मिथिलामे सेहो पागक प्रचलन अदौकाल सं चलैत आबि रहल अछि। हां मिथिला लोक फाउंडेशन पागक जे स्वरूप छल ओकरा मे समुचित बदलाव कऽ समाजक सोंझा अनलक अछि।
    वर्तमान पागक संग एकटा सब सं पैघ दिक्कत छल जे ओ माथ पर सहि सं टिकैत नहि छल आ अहि कारणें लोक पाग कें दीर्धकाल धरि पहिरवा सं परहेज करैत छलाह। पाग खसब मतलब प्रतिष्ठाक हनन मानल जाइत अछि लेकिन मिथिलोक फाउंडेशन ओहि डरकें दूर करवाक जे कोेशिश केलक ओकरा समाजमे खूब प्रशंसा भेट रहल अछि। डाॅ. झा कहला जे संस्था आगामी दिनमे सेहो अहि दिशामे समुचित काज करवाक लेल वचनबद्ध अछि आ पाग अहि नव स्वरूपकें जन-जन तक पहुंचायब संस्थाक लक्ष्य सेहो।
    संवाददाता सम्मेलनमे मंचस्थ सब व्यक्ति एक-एक कऽ साथ अलग-अलग रंगक पाग पहिर उपस्थित छलाह। मंच पर जानल-मानल शिक्षाविद आ आइएसगुरू डाॅ. अजय अनुराग, डाॅ. कैलाश कुमार मिश्र, डाॅ. बीरबल झा सहित अन्य व्यक्ति सब उपस्थित छलाह।