मुजफ्फरपुरक घटना : ब्रजेश ठाकुरकेँ रिमांड पर लेबाक तैयारीमे सीबीआई, कॉल डिटेलमे कतेको रसूखदारक नंबर

0
655

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांड मामलामे सीबीआई जांचक दायरा बढ़बैत मुजफ्फरपुर जेल अधीक्षकसँ मुख्य आरोपी ब्रजेश ठाकुरक हेल्थ रिपोर्ट मंगलक अछि। एहन मानल जा रहल अछि जे ब्रजेशकेँ कोनो गंभीर बीमारी नहि छनि, जेकर इलाज जेलमे नै भ’ सकैत छैक। सीबीआई ब्रजेशकेँ रिमांड पर लेबाक तैयारीमे अछि। ब्रजेशक कॉल डिटेलसँ आ समाज कल्याण विभागसँ मिलल दस्तावेजक गहन छानबीन क’ रहल अछि। कॉल डिटेलसँ पटनाक कतेको रसूखदार सभक नंबर भेटल अछि, हिनका सभ पर सीबीआई कखन आ कोना कार्रवाई करत तकर तैयारी क’ रहल अछि। शहीद खुदीराम बोस केंद्रीय कारामे बंद बालिका गृह यौन शोषणकांडक आरोपी ब्रजेश ठाकुरकेँ जांच रिपोर्टमे ब्लड प्रेशर आ शूगर लेवल बढ़ल बताओल गेल अछि।  सीएसके सौंपल   रिपोर्टमे नीक इलाज लेल रेफर आ कुनो गंभीर बीमारीक चर्चा नहि कएल गेल अछि, हलाँकि रिपोर्टमे स्वास्थ्यक स्थिति सामान्य बताओल गेल अछि। एहनमे आब देखबाक बात इ अछि जे सीबीआई एहि दिशामे आगा कुन तरहक कदम उठओत।