सीतामढ़ीमे कूड़ादान सं नवजात’क लहास भेटला सं हड़कंप

    0
    252

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शहरक सिनेमा रोड स्थित एकटा नर्सिंग होमक समीप सड़क कातमे कूड़ादानमे नवजातक लहास भेटला सं सनसनी पसरि गेल। नवजातक लहास देखबा सं गर्भपातक बाद फेंकल जेबाक आशंका कएल जा रहल छल। नवजातक लहास भेटलाक खबरि पसरितहि लोकक भीड़ एकट्ठा होबय लागल। लोग तरह-तरहकें चर्चा करय लागल।

    किछुकाल बाद निजी नर्सिंग होमक नर्स नवजातके लहासकें फेंकबाक लेल उठाबय लागल, मुदा लोक द्वारा लहासक विषयमे पूछला पर ओ चलि गेलीह। सूचना भेटला पर पुलिस घटना स्थल पर पहुँचल। अहिकें बाद नगर थानाके एएसआइ संजय कुमार राय लहासकें कब्जामे लए पोस्टमार्टमकें लेल सदर अस्पताल पठाओल गेल।