नव विवाहित के भेटल कन्या योजना’क लाभ

    0
    279

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के जाले मे मुख्यमंत्री कन्या विवाह योजनाक अन्तर्गत प्रखंड कार्यालय स्थित मनरेगा भवन सह राजीव गांधी सेवा केंद्रक सभागार मे बुधदिन प्रखंड क्षेत्रक 21 पंचायत के कन्या योजनाक लेल स्वीकृत 273 नव विवाहिता मे सं 210 कन्या विभिन्न पंचायत पहुंचल छली। जिनका शिविर के माध्यम स पाँच हजारक राशि’क चेक देल गेल।

    ज्ञात हो कि विगत दू वर्ष सं प्रखंड क्षेत्रक लाभुक अहि योजनाक लाभक लेल प्रखण्ड कार्यालय के चक्कर काटि रहल छलि। अंतत: जिलाधिकरी के निर्देश पर वर्ष 2013/14 के आवेदक के उक्त योजनाक लाभ निर्धारित पांच हजार रुपैया प्रति व्यक्ति वितरण कायल गेल। अहि सं लाभान्वित नव विवाहिता मे खुशीक लहर छल।

    ओतहि 2015-16 के सैकड़ो आवेदक के बीच एखनहु राशि वितरण नहि भेला सं मायूसी अछि। मौका पर स्थानीय विधायक जीवेश कुमार नव विवाहिता के सरकार द्वारा देल गेल राशिक चेक दय लाभुक नव विवाहिता कन्या स अप्पन पिता के ई लाभक राशि देबाक अपील केलनि। विधायक बेटीक लेल पिता द्वारा कायल गेल त्याग के अतुल्य बतौलनि।