राष्ट्रपति सं मैथिली भाषाक सर्वश्रेष्ठ फिल्मक राष्ट्रीय पुरस्कार ग्रहण केलाह: नितिन

    0
    551

    दिल्ली-मिथिला मिररः दिल्लीक विज्ञान भवनमे आयोजित 63म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार वितरण समारोहमे तखन सबहक ध्यान अचानक आकृष्ट भेल जखन मैथिली भाषाक सर्वश्रेष्ठ फिल्मक राष्ट्रीय सम्मान लेवाक लेल फिल्मक निर्देशक नितिन चंद्रा मंच पर पहुचलाह। मिथिलाक परिधान धोति, कुर्ता आ पाथ पर मैथिलक निशानी पाग पहिर नितिन विज्ञान भवनमे बैसल समस्त दर्शकक ध्यान अपना दिस खिचवामे सफल भेलथि। 63म राष्ट्रीय फिल्म 2015मे मैथिली फिल्म मिथिला मखानकें सर्वश्रेष्ठ मैथिली सिनेमा घोषित कैल गेल छल।

    राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी मिथिला मखान सिनेमाक सह निर्माता समीरकें सेहों पाग पहिरा आ रजत कमल सं सम्मानित केलाह। अपने कें बता दी जे अहि फिल्मक निर्माता नितू चंद्रा छथि संगहि अहि सिनेमामे अपन दमदार अभिनय क्रांति प्रकाश झा, अनुरिता झा, पंकज झा इत्यादि निभौने छथि।
    राष्ट्रपति मैथिली भाषाक संग-संग 63 राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारक लेल चयनित सब फिल्म सं जुड़ल व्यक्तिकें अपना हाथ सं सम्मानित केलाह। अहि अवसर पर केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण सह वित्त मंत्री अरूण जेटली आ केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण राज्य मंत्री रि. कर्नल राज्यवर्धन सिंह राठौर सेहो उपस्थित छलाह। वर्ष 2015क दादा साहेब फाल्के पुरस्कार भारत कुमार अर्थात मनोज कुमार कें देल गेलनि त सर्वश्रेष्ठ अभिनेता-अभिनेत्रीक सम्मान अमिताभ बच्चन आ कंगना रनौत कें देल गेलनि।