नीतीश कुमार केलनि उरी आतंकी हमला के निंदा

    0
    263

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जम्मू कश्मीर के उरी सेक्टर मे भेल आतंकी हमला मे सेना के 17 जवान के शहीद हेबा के निंदा केलनि। मुख्यमंत्री कार्यालय स जारी एकटा प्रेस विज्ञप्ति के अनुसार नीतीश कुमार जम्मू कश्मीर के उरी सेक्टर मे एलओसी के समीप 12 आर्मी ब्रिगेड के मुख्यालय पर रविदिन भेल आतंकी हमला सं मर्माहत छथि।

    नीतीश कुमार वीर एवं कर्तव्यपरायण शहीद जवानक परिजन के प्रति शोक एवं संवेदना व्यक्त करैत कहलनि जे, शहीदक अहि शहादत के भारतवर्ष कहियो नहि बिसरा सकैत अछि।

    ज्ञात हो कि रविदिन उत्तरी कश्मीर मे उरी के बटालियन मुख्यालय पर भेल आतंकी हमला मे 17 टा जवान शहीद भय गेलाह आ 19 गोट जवान घायल छथि। सेनाक जवान अहि आतंकी हमला मे शामिल चारि टा आतंकी के मारबा मे सफल भेल छल।