सीतामढ़ीमे सुरक्षा व्यवस्थाक बीच नामांकन शुरू

    0
    310

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सुरक्षा व्यवस्थाक बीच निकाय चुनावक लेल वार्ड पार्षदक रिक्त पदक विरुद्ध नामांकन शुरू कएल गेल। नगर परिषदके पार्षद पदकें लेल सदर अनुमंडल कार्यालयमे नामांकनक प्रक्रिया शुरू कएल गेल। नामांकनके पहिल दिन नगर परिषदकें विभिन्न वार्ड सं 8 गोट अभ्यर्थी अपना अपन नामांकन पत्र दाखिल केलनि। ओतहि नगर पंचायत बैरगनियाके वार्ड पार्षद पदक लेल डीसीएलआर सदर कार्यालयमे नामांकन पत्र दाखिल कएल गेल।

    बैरगनिया नगर पंचायत सं 2 गोट अभ्यर्थी अपन नामांकन पत्र दाखिल केलनि। नगर परिषद वार्ड 2 सं विभा देवी एवं कलावती देवी नामांकन पत्र दाखिल केलनि। अहि प्रकारे वार्ड 7 सं श्याम बाबू महतो, वार्ड 14 सं उर्मिला देवी, वार्ड 15 सं शारदा देवी, वार्ड 18 सं नंदकिशोर प्रसाद, वार्ड 19 सं इरफाना तथा वार्ड 23 सं जयनारायण राउत अपन नामांकन पत्र दाखिल केलनि। बैरगनिया नगर पंचायतक लेल वार्ड 13 सं गीता देवी आ वार्ड 21 सं कोमल कुमारी अपन नामजदगीक पर्चा भरलनि।