स्कूलमे पोशाक आ छात्रवृत्ति’क राशि नहि बंटबा पर 25 गोट जिला शिक्षा पदाधिकारीकें नोटिस

    0
    272

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक सरकारी स्कूलमे पोशाक आ छात्रवृति राशिक वितरण एखन धरि नहि भेल अछि। सरकार अहि मामलामे नाराजगी जाहिर करैत एक संग 25 जिलाक डीईओ आ डीपीओकें नोटिस पठाओल गेल अछि। विभागक मुख्य सचिव छुट्टीमे सेहो दफ्तर खोलि कय टारगेट पूरा करबाक निर्देश देलनि। रविदिन सचिवालयके शिक्षा विभागक नजारा बदलल-बदलल छल।

    अवकाश हेबाक बादो कर्मचारी आ अधिकारी अपन-अपन टेबूल पर काजक निपटारा कए रहल छलाह। कर्मचारीकें अनुसार अहि सं पहिने सेहो छुट्टीक दिनमे विभाग शिक्षकक वेतन भुगतानक लेल हम काज केने छलहुँ। विभागक दिस सं तय टारगेटकेन हर हालमे पूरा करबाक निर्देश अछि।