विश्वविद्यालयकें जमीनक रक्षा करब हमर प्राथमिकता अछि : कुलपति राज किशोर झा

    0
    268

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति राज किशोर झा विश्वविद्यालयक अचल सम्पत्ति खासकय जमीनक रक्षाक संकल्प दोहरौलनि। ओ कहलनि जे, कोनो स्थितिमे विश्वविद्यालयक सम्पत्तिक रक्षा कायल जाएत। अहिक लेल जे कुर्बानी देबय पडत हम देब। ओ कहलनि जे, विश्वविद्यालयक जमीनक रक्षा करब हमर प्राथमिकता अछि। कुलपति शनिदिन बहुतो ठाम अवैध कब्जा स्थलक निरीक्षण केलनि।

    एकटा निजी विद्यालय द्वारा विश्वविद्यालयक जमीनकें घेराबंदीक बात के कुलपति गंभीरता सं लेलनि। कुलपतिक अनुसार सूचना भेटल छल जे, उक्त निजी विद्यालय द्वारा विश्वविद्यालयक जमीनक अतिक्रमण कएल जा रहल अछि आ भूमि पर मलमूत्र फेकल जा रहल अछि। कुलपति सूचना भेटितहिं भूमि पर पहुंचकय पुलिस के सूचना देलनि। अहिके बाद ओहि जगह पर कुलसचिव डॉ. अजीत कुमार सिंह, कुलानुशासक डॉ. अजय नाथ झा, भू-सम्पदा पदाधिकारी डॉ. एस.पी. सुमन आदि पहुंचलाभ।

    कुलपति ओतय राखल र्इंटाके हटबेलनि संगहि कुलसचिवके निर्देश देलनि जे, प्राथमिकी दर्ज कएल जाए। अहींकेँ अलावा कुलपति अभियंत्रण शाखाकें निर्देश देलनि जे, विवादित स्थल पर तुरंत विश्वविद्यालय द्वारा पाईलिंग करा देल जाए, ताकि विश्वविद्यालयक जमीनक कब्जा नहि भय सकए।