राम लखन राम रमण कें अगुआई मे मधुबनीमे ‘पाग शपथ’

    0
    306

    मधुबनी-मिथिला मिररः मिथिललोक फाॅउंडेशन आ डाॅ. बीरबल झा केर अगुआईमे 28 फरवरी 2016 कऽ दिल्लीक राजेन्द्र भवन सं शुरू भेल ‘पाग बचाउ अभियान’ अपन दोसर चरणमे मिथिला पहुंचल। बीरबल झा केर गृह जिला मधुबनी सं पाग बचाउ अभियानक दोसर चरणक शुभारंभ भेल। 08 मई 2016 कऽ मधुबनीमे संपन्न भेल पाग बचाउ अभियानकें सब तरहें ओहिठामक लोकसब सफल बनेलाह।
    बिहारक पूर्व शिक्षा आ कला संस्कृति मंत्री सह वर्तमान विधान पार्षद राम लखन राम रमण केर अगुआईमे मधुबनीमे समस्त राजनीतिक हस्ति सहित सभागारमे उपस्थित समस्त पाहुन आ सम्मानित श्रोता लोकनि पाग आ अपन संस्कृति कें बचेवाक लेल एक संग हाथ उठा पागक (Paag Oath) शपथ लेलाह, चाहे केहनो परिस्थिति किएक नहि आबि जेतैक हमरा सब अपना मान-सम्मान कें कहियो नहि खसय देब। जहिना एखन तक गीता पर हाथ राखि शपथ लेल जाइत छल तहिना आब पागक शपथ लय मैथिल अपना संस्कृतिक संवर्धनक शपथ खेलाह।
    राम लखन राम रमण केर अगुआईमे नहि सिर्फ आम जनता अपितु राजनगर सं वर्तमान बीजेपी विधायक रामप्रीत पासवान, बीजेपीक पूर्व विधायक आ बिहार बीजेपीक मुख्य प्रवक्ता विनोद नारायण झा, विधान पार्षद सुमन महासेठ, विधायक समीर महासेठ, पूर्व विधायक राजकुमार महासेठ, समाजसेवी आ शिक्षाविद डाॅ. सुनील झा, समाजिक कार्यकर्ता ज्योति झा, चेतना समितिकें उपाध्यक्ष उमेश मिश्र सहित सभागारमे उपस्थित समस्त व्यक्ति लोकनि शािमल छलाह।