हम समग्र मैथिलानी छी, मुदा अहां कतेक बुझलौ हमरा-शारदा सिन्हा

    0
    347

    दिल्ली-मिथिला मिरर: मिथिला मिररक विशेष भेंटघांट कार्यक्रम मैथिली स्वर कोकिला पद्मश्री शारदा सिन्हा अपना मोनक एक-एक टा उद्गार आ व्यथा व्यक्त करैत बहुत रास बात रखलीह। मैथिल समाजक किछु कथित व्यक्ति द्वारा बेर-बेर हुनक मैथिलत्व पर कैल गेल कुठाराघातक जवाब दैत शारदा सिन्हा कहलीह जे हम शत प्रतिशत मैथिलानी छी, नैहर सं सासुर धरि हम मैथिलानी छी आ आजीवन मैथिलानीये टा रहब। मिथिला मिररक संपादक ललित नारायाण झाक संग विशेष बातचीत करैत मैथिली स्वर कोकिला कहलीह जे हमर मुंह सं पहिल बोल मैथिलीये टा निकलल छल आ पहिल गीत सेहो मैथिलये छल।
    ओहि तथाकथित लोक कें जवाब दैत शारदा सिन्हा कहलीह जे हम विभिन्न भाषामे गीत गेलौह आ गायक आ कलाकारक कोनो सीमा नहि होइत छैक। हम मैथिलानी छी मुदा मैथिल समाज बेर-बेर हमरा पर प्रश्न चिन्ह ठाढ़ करैत रहला। कि हम मैथिलीये टा गीत गाबी, मिथिला सं बाहर नहि जाइ, ओहि तथाकथित व्यक्ति कहब मानी तखने हम मैथिलानी? हम एकटा मैथिलानी भय जौं भोजपुरी, हिन्दी ओ नगपुरीया सहित अन्य-अन्य भाषामे गीत गेलौह ओ सब त अहि बात कें छेंट कहियो नहि रोपला जे हम मैथिलानी भय कियैक भोजपुरी, बज्जिका ओ अन्य भाषामे गीत गेलौह।
    1980कें दशक कें स्मरण करैत शारदा कहली जे इ विरोध कोनो आजुक नहि अछि हमर पहिल साक्षात्कार डाॅ हरिमोहन झा मिथिला मिहिर कें लेल केने छलाह आ ओ हमरा बहुत बेसी सवलता देलाह जे शारदा एहन-एहन बात कें मोन मे नहि राखी। बिहार विधानसभा चुनावमे ब्रांड एंबेस्डर ओ हमरा द्वारा गाओल गेल गीत पर सेहो बवाल मचल, मुदा अहि मे हमर की दोष? हम मैथिली, भोजपुरी, हिन्दी, अंगिका, बज्जिका सब मे गीत बनेलौह मुदा चुनाव आयेग कतय कोन गीत बजौलक ओहिमे ओकर गलती ने। जौं किनको हमरा सं कोनो व्यक्तिगत दुश्मनी होइन त ओ हमरा लग आबि कहौथ मुदा सार्वजनिक जगह पर अपमान केनाइ नीक बात नहि।
    पद्मश्री शारदा सिन्हाक पूरा साक्षात्कारकें देखवाक आ सुनवाक लेल मिथिला मिरर कें यूट्यूब चैनल पर जाई आ चैनल कें बेसी सं बेसी सब्सक्राइब्ड करी।