पप्पूक धोषणा पत्र मे 5 टका मे भोजन, डीटीएच और गाय देवाक बात

    0
    313

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनावकें लय सब सं पहिने सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव अपन पार्टी जन अधिकार मोर्चाक चुनावी घोषणा पत्र जारी कय देलनि। पप्पू यादव इ मेनिफेस्टो समाजक हर वर्ग कें ध्यान मे राखि बनौलनि अछि। अहि चुनावी घोषणा पत्र मे सबहक लेल किछु ने किछु देवाक प्रवधान कैल गेल अछि।
    जन अधिकार पार्टीक मेनिफेस्टो मे सब सं बेसी शिक्षा पर जोर देल गेल अछि। अहिमे गरीबक बच्चाकें उच्च शिक्षा तक मुफ्त मे पढ़ाईक प्रावधान अछि। संगहि बेटीक नामांकनक संग-संग बीमा करेवाक बात सेहो कहल गेल अछि। एतबे नहि राज्य भरि मे 300 जन आहर केंद्र खोलवाक बात सेहो कैल गेल अछि जाहिठाम 5 टका मे भोजन देवाक दावा कैल गेल अछि। गरीबी रेखा सं नीचा रहि रहल परिवार कें डीटीएचकें संग रंगीन टीवी ओ एक-एकटा गाय देवाक बात सेहो कहल गेल अछि।
    मेनिफेस्टो मे सच्चर कमेटीक रिपोर्ट कें 3 मास मे लागू करवाक बात सेहो कहल गेल अछि। जाहिमे गरीब केतिहर कें मुफ्त मे बिजली ओ सिंचाईक व्यवस्था कें बात सेहो कहल गेल अछि। चुनावी घोषणा पत्रक सब सं महत्पपूर्ण बात इ जे क्लीनिकल एक्ट लागू कय बिहार सं पूर्ण रूपे शराब कें प्रतिवंध करवाक बात सेहो कैल गेल अछि। शिक्षा व्यवस्थाकें एक रंग बनेवाक लेल सरकारी आ जनप्रतिनिधिकें बच्चाकें सरकारी स्कूल मे पढ़ेवाक सेहो कानून बनेवाक बात कहल गेल अछि। इंजीनियरिंग आ मेडिकलकें प्रवेश परीक्षा मे पास केनिहार बच्चाकें फ्री मे लैपटाॅप देवाक बात सेहो प्रावधान अछि।
    राज्य मे लाॅजिंग सिस्टम कें व्यवस्थित करवाक लेल लाॅज रेट कें कम कैल जायत। जिला मुख्यालय मे सुभाषचंद्र बोस हाॅस्टल कें विस्तार कैल जायत। जाहि सं गांवक गरीब बच्चा हाॅस्टल मालिकक दंश सं बचि सकै। लड़कीक उच्च शिक्षाक लेल महिला महाविद्यालयक स्थापनाक संग-संग आओर बहुत रास मांग कें अहि मेनिफेस्टो मे राखल गेल अछि।
    दू सालक भीतर 100 प्रतिशत शिक्षकक बहाली, जिला रोजगार केंद्र कें ब्लाॅक स्तर पर विस्तार करवाक बात, पुलिस भर्ती मे स्त्रीगणकें 33 प्रतिशत क आरक्षण, जाहि मां-बाप कें दू टा बेटी हेतनि हुनका आदर्श माता-पिताक दर्जाक संग-संग 50-50 हजार टकाक बैंक डिपाॅजिट आ मदरसाकें आओर बेटी उत्कृष्ट बनेवाक बात कहल गेल अछि। एतबे नहि घोषणा पत्रमे आओर बहुत किछ बात कहल गेल अछि।