पटना मे भूकंप के झटका, सड़क पर निकलल लोक

    0
    270

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़िक कहर के बीच बुधदिन भूकंप के झटका लागल। स्थानीय समय के अनुसार साँझ मे चारि बाजि कय सात मिनट पर भूकंपक झटका महसूस कायल गेल।

    भूकंपक केंद्र म्यंमार बताओल जा रहल अछि। रिएक्टर स्केल पर भूकंपक तीव्रता 7.0 मापल गेल।लगभग 5 सेकेंड धरि लागल अहि झटका के बाद लोकक बीच अफरा-तफरी मचि गेल। लोक सब घर आ दफ्तर सं  सड़क पर आबि गेलाह।

    राजधानी पटना के अलावा बिहारक अन्य जिला मुंगेर, किशनगंज, सहरसा, पूर्णया, भागलपुर, समेत बहुतो जिला मे भूकंपक झटका महसूस कायल गेल। पटना के अलावा पड़ोसी राज्य झारखंड आ बंगाल मे सेहो भूकंपक तेज झटका महसूस कायल गेल। पटना मे आयल भूकंप मे कोनो तरहक जान-मालक नुकसानक सूचना नहि अछि।