मुजफ्फरपुरमे मतदानकें दौरान प्रत्याशीक घर पर पथराव

    0
    254

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारमे रविदिन पहिल चरणक नगर निकाय चुनावमे मुजफ्फरपुरमे प्रत्याशिक घर पर पथराव कएल गेल। शहरमे वार्ड प्रत्याशी नीलम देवीके घर पर असामाजिक तत्व द्वारा पथरावक घटनाकें अंजाम देल गेल।

    घटना वार्ड 30 के अघोरिया बाजारक अछि। पथरावक कारण एक्सिस बैंकक एटीएमकें शीशा टूटि गेल।घटनाक बाद मौका पर जोरदार हंगामा भेल। सूचना भेटितहि जिला प्रशासन दल-बलक संग मौका पर पहुंचल। पुलिसकें पहुंचबा सं पहिने पत्थरबाज फरार भए गेल।

    प्रत्याशी नीलम देवी कहलनि जे, दोसर उम्मीदवा सुरभि शिखाक समर्थक अहि घटनाकें अंजाम देलक अछि। घटनाक बाद मौका पर पहुंचल पुलिस बल स्थितिकें नियंत्रित केलक। एसडीओ सुनील कुमार कहलनि जे, बूथ पर पत्थरबाजीक सूचना भेटल छल। प्रत्याशीके घर पर पत्थरबाजीक जांच कएल जा रहल अछि।