पूनम सं मैथिली तक, अल्पवयसक उपलब्धि

    0
    369

    दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाईः शनिदिन ०४.०६.२०१६’क  राति नौ बजे लोक मनोरंजनक अंतर्राष्ट्रीय चैनल सोनी टीवी पर प्रसारित हास्य-मनोरंजनक बहुचर्चित कार्यक्रम कपिल शर्माक कॉमेडी शो मे गायिका मैथिली ठाकुरक सहभागिता आ हुनक गायनक प्रभाव स’ उत्साहित भ’ एकटा पोस्ट केने रही जाहि पर मारिते रास लाइक आ प्रतिक्रियामे मैथिलीकें शुभकामना आ आशीर्वाद भेटलनि. हिनक विशेष परिचय साधल स्वर छनि मुदा पृष्ठभूमि स’ अवगत हेबा लेल मिथिला-मिरर (संपादक-ललित नारायण झा) द्वारा लेल गेल साक्षात्कार यू-ट्यूब पर देखल जा सकैत अछि.

    हमरा मोन अछि जहिना एखन अल्पवयसमे मैथिली ठाकुरक गायकीकें विशाल मैथिल जनमानस द्वारा पसीन कएल जाइत छनि ठीक एहने सन जादू लोकगायिका पूनम मिश्राकें सेहो रहल छनि. मधुबनी (आर.के.कॉलेज) मे अध्ययनरत रही बाबू साहेब चौक लग एकटा कैसेटक दोकान रहै ओकरा आगाँ स’ गिलेशन बजार दिस जाइत रही बाटमे पैर अनायास रूकि गेल छल कारण जे एकटा कोमल सन स्वर अपना दिस आकर्षित क’ लेने छल. लपकिक’ दोकान पर गेलौं कैसेटक नाम देखल “सीता स्वयंवर” ओ चट्टहि कीन लेलौं आ ल’ गेलौं गाम जकरा गुड्डू भाइजीक डेक पर भरि दिन मे कम स’ कम चारि-पाँच बेर त’ सपरिवार अबस्से सुनी जकर परिणाम ई भेलै जे ओकर घसाइत रील महीनो दिन नैं चलि पेलै. खैर कैसेटक एकटा निर्धारित आयु/अवधि होइत छलैक मुदा ओ कैसेट मिथिलामे एकटा एहेन प्रतिभा द’ क’ गेल जे सतत अविस्मरणीय रहत.
    ओ समय छलै जखन पारम्परिक लोकगीतक लोकगायिका शारदा सिन्हाक एकमात्र स्वर यत्र-तत्र सुनल जाइत छल मुदा ओकर बादक पीढ़ीमे पूनम मिश्रा स’ एकटा आस जागल आ लोकक जनमानसमे अपन स्थान सुरक्षित केली. समूचा मिथिलांचलमे कोनो प्रकारक शुभ कार्य वा पूजा उत्सव होए पूनम मिश्राक गाओल गीत निश्चित रूपे सुनबामे आओत। विवाह, उपनयन, मुंडन आदिक सीडीमे पार्श्वगीतक गीतगाइन मे हिनक गाओल दूओ चारि टा रहब परम आवश्यक अछि। वर्तमान पीढ़ीक अनेकानेक प्रतिभा सोशल नेटवर्कक माध्यम स’ सोझा अबैत रहैत अछि मुदा पूनम मिश्राक क्रेज सोशल नेटवर्कक एहि लत्ती विस्तारक पूर्वहि स’ रहल अछि आ आइओ धरि ओतबे अछि.

    ओना सशक्त गायकीमे रंजना झा,रजनी पल्लवी, स्वर्णलता झा, अंजू जी (अंजू-मिथिलेश), नेहा प्रियदर्शिनी (सुपुत्री लोकगायक सुनील मल्लिक), स्व.अंशुमाला आ आन-आन (जिनका संभवतः हम या त’ नैं सुनने हएब) आदिक योगदानकें किन्नहु नकारल नैं जा सकैत अछि.