विकाश झा केर नव एल्बम ‘प्रीत’ यूट्यूब पर बनि रहल अछि लोकक पसंद

    0
    286

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली गायक सह अभिनेता विकाश झा केर नव मैलोडी एल्बम प्रीत कें यूट्यूब पर अपार स्नेह भेट रहल अछि। एखन धरि अहि एलबम केर एक गोट गीत यूट्यूब चैनलक मादे सार्वजनिक कैल गेल अछि, यूट्यूब पर आॅडियो गीत कें बहुत बेसी पसीन कैल जा रहल अछि। एल्बम कें पहिल गीत ‘एक बेर मुस्कुरा कऽ तरसैल ने करू’ बहुत बेसी हिट भए रहल अछि। विकाश झा मिथिला मिरर सं बातचीत करैत कहला जे हम एक-एकटा वीडियो बना ओकरा सार्वजनिक करब। बकौल विकाश, एखन मैथिली गीतमे बहुत रास फुहड़पन आबि गेल अछि, एहनमे हम यूट्यूब कें माध्यम सं मैलोडी गीतक एकटा नव श्रृंखला शुरू करय जा रहल छी।
    अहि गीतक जे वीडियो बनत ओकरा हम एकटा नव आयाम देवाक कोशिश कऽ रहल छी, जाहि सं मैथिली-आॅडियो-वीडियो पर आम मैथिलक जे धारना अछि ओकरा बदलल जा सकै। विकाश कहला जे जखन ‘एक बेर मुस्कुरा कऽ तरसैल ने करू’ केर वीडियो रिलीज भए जाएत तखन फेर हम दोसर आॅडियो गीतकेर यूट्यूब कें माध्यम सं लोकक सोंझा लाएब आ फेर ओहिकें बाद ओकर वीडियो। अहिना इ सिलसिला चलैत रहत। हमर कोशिश अछि कि मैथिल संगीत प्रेमी कें एकटा नीक आ सुंदर सन प्रेम सं सराबोर गीतक सीरीज भेटैन्ह जेकरा ओ दीर्घकाल तक स्मरणमे राखि सकैथ। अहि एल्बम मे विकाश झा केर अवाज छन्हि त गीत लिखने छथि रानी झा जखन कि संगीतत हेमंत शर्मा देने छथि। अपने कें बता दी जे अहि बहुप्रतिक्ष एल्बम प्रीतक मीडिया पार्टनर मिथिला मिरर अछि।