mithilamirror@gmail.com
+919560295811

जखन कचरासँ हीरा बनेनिहाइरकेँ चिह्नलनि कादोमे कमल खिलेनिहार

| slider top महत्वपूर्ण खबरे

दिल्ली-मिथिला मिररः ई बात हम प्रथम दिनसँ मिथिला मिरर पर लिख रहल छी जे मिथिलामे एकसँ बढ़िकऽ एक गुणी लोक सहज रूपेँ भेट जेताह। मैथिलजन गुणी तऽ छथिहे, मुदा एकटा समुचित स्थान नहि भेटलाक कारणेँ ओ अपन प्रतिभाकेँ दुनियाक सोझा जगजियार नहि कऽ पावैत छथि। अहिठाम ई प्रसंग उठेवाक पाछा कारण ई जे जौं मैथिलजनकेँ कनेक उचित अवसर भेटैत छन्हि तऽ ओ कूड़ा-कचड़ासँ एहन तरहक चीज बना लैत छथि जेकर प्रशंसक आमजन नहि अपितु दुनियाक सबसँ पैघ लोकतंत्रक प्रधानमंत्री तक भए जाइत छथि। जी हाँ, हम बात कऽ रहल छी मिथिला/बिहारक समस्तीपुर जिलाक मसीना गामक जे काल्हिसँ बेस रास चर्चामे अछि।
मसीना निवासी रामचंद्र झा केर कनिया गीता देवी दीर्घकालसँ हस्तकालाक माध्यमसँ रंग बिरहीक समान सब बनवैत रहली अछि मुदा हुनकर कलासँ संपूर्ण भारतवंशी सहित विश्व जनमानस तखन परिचत भेलाह जखन भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी स्वयं पत्र लिखी गीताक कलाक प्रशंसा कैलनि। दरअसल गीता देवी जे समान बनावैत छथि ओ कूड़ा, कचरा, फेल गेल प्लास्टिक इत्यादिसँ समान तैयार कऽ ओकरा एकटा नव स्वरूप दैत छथि।
गीता देवी कचरासँ बनल एकटा डलिया प्रधानमंत्रीकेँ भेंट कैलनि आ प्रधानमंत्रीकेँ ओ भेंट एतेक पसीन पड़लनि जे ओ तुरंत पीएओसँ फोन लगा बात कैलनि आ एकटा चिट्ठी गीताक नाम लिखलाह। गीताक कलाक प्रशंसा करैत प्रधानमंत्री कहला जे जाहि तरहें अपने कचरासँ एतेक उत्कृष्ट समान बना सकैत छी तऽ निश्चित रूपहिं ई स्वच्छ भारत अभियानमे एकटा मीलक पाथर साबित हैत। निश्चित रूपहिं गीताक अहि कृत पर मिथिला सहित संपूर्ण देशवासीकेँ गौरव हेवाक चाहियैन। गीता आ रामचंद्र झा सहित संपर्ण मसीना ग्रामवासीकेँ बधाई।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*