mithilamirror@gmail.com
+919560295811

जयपुर पिंक कें फाइनलमे हरा पटना पायरेट्स बनल प्रो कबड्डी सीजन-4 केर विजेता

| खेल समाचार

दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः पैछला बरखक विजेता पटना पायरेट्स केर टीम प्रो कबड्डी सीजन-4 मे जायपुर पिंक कें हरा अहू बेर विजेता बनवाक गौरव प्राप्त केलक। हैदराबाद के गाचीबावली इंडोर स्टेडियम मे आयोजित फाइनल मैचमे पटना पायरेट्सक टीम जायपुर पिंक पैंथर्सकें 37-29 कें अंतर सं हरेवामे सफल रहल। अहि सं पहिने पैछला साल पटनाक टीम यू-मुम्बाकें हरा कऽ पहिल बेर विजेता बनल छल।
पहिल हाफमे जयपुर पिंक पैंथर्सक द्वारा सुरक्षात्मक खेल खेलवाक कारणें ओकरा इ मैच हाथ सं गमाबय पड़ल। पहिले हाफमे पटनाक टीम 19-16 केर बढ़त बनेवामे सफल रहल। पटनाक दिस सं प्रदीप नरवाल सबसं बेसी 16 अंक हासिल केलाह जखन कि हादि ओस्तोराक 5 अंक जुटेलाह। ओमर जयपुर केर टीम दिस सं टीमक कप्तान असगरे लड़ैत देखना गेलाह। कप्तान 13 अंक जुटेलाह जखन कि राजेश नरवाल सात अंक अर्जित करवामे सफल रहलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *