उग्र भेल छात्र, स्कूलमे आगि लगा कएलक सड़क जाम

    0
    425

    मोतिहारी, मिथिला मिरर : मोतिहारी जिलाक राजकीय उत्क्रमित मध्य विद्यालय, राघोपुर स्कूलमे व्याप्त शैक्षणिक कुव्यवस्था, शिक्षक सभक लेट-लतीफी आ प्रधानाचार्यक मनमानीक विरोधमे सोमदिन स्कूलक बच्चा आ हुनक अभिभावक सभ स्कूलमे जमि क’ हंगामा केलथि । एहि हंगामाक दौरान स्कूलमे तोड़फोड़ करैत कतेको रजिस्टर सभके आगिमे झोंकि देलक। फेर स्कूल लग बांस-बल्ला लगा क’ ढाका-मोतिहारी मुख्य पथकेँ जाम क’ देलक। खबरि भेटला पर सीओ सचिन्द्र प्रसाद घटनास्थल पर पहुँचलाह जतय बच्चा सभ आ हुनक अभिभावक सभक आक्रोशक सामना करय पड़लनि, हलाँकि बादमे सीओ साहेब पुलिसक सहयोगसँ विरोधकर्ता सभकेँ खदेड़वामे सफल भेलाह। एकर बाद आक्रोशित सैकड़ों महिला-पुरुष, छात्र सभक समर्थनमे उतरि गेलाह आ हनुमान मंदिर लग ढाका-मोतिहारी पथ करीब तीन घंटा तक जाम क’ देलाह। छात्र सभ प्रधानाचार्य नवीन कुमार पर छात्रवृति, पोशाक आ मुख्यमंत्री दर्शन योजनाक राशि गबन करबाक आरोप लगबैत हुनका हटेबाक माँग पर अड़ल छथि। एहि मामला पर बच्चा सभ स्कूलमे तालाबंदी क’ जमि क’ प्रदर्शन क’ रहल छथि आ कहैत छथि जे एचएम स्वत: स्कूलक पंजि सभमे आगि लगोलक अछि, ताकि हुनक गुनाहक सबूत नष्ट भ’ जाय। सबसँ बड़का सवाल आखिर संबंधित विभाग छात्र सभक जिनगीक संग खिलवाड़ किएक क’ रहल अछि एहनमे त’ बच्चा सभक भविष्य ख़राब भ’ सकैत अछि। खबरि लिखवा काल धरि स्कूलक पक्ष सामने नै आयल छल।