आओर कतेक धिया चढ़ती दहेजक बलि

0
517

दरभंगा, मिथिला मिरर : आखिर बिहारमे दहेजक कठोर कानून बनलाक बादो दहेज़ हत्याक सिलसिला रुकबाक नाम नै ल’ रहल अछि। किएक नै डर भ’ रहल छनि दहेजलोभीकेँ। की, सरकार सही रूपसँ एहि क़ानूनकेँ लागू नै क’ पाबि रहल? 18 अगस्तककेँ फेर एकटा बेटी रंजना झा दहेजक बलि चढ़ली। मधुबनी जिलाक जरैल गामवासी भूप नारायण झा 29 अप्रैल 2018केँ अपन सुपुत्री रंजनाक विवाह दरभंगा जिलाक ओझोल गाम निवासी अजय झाक पुत्र प्रभात कुमार झाक सँग बहुत धूम-धामसँ कएने छलाह। विवाहक किछुवे दिनक बाद वर पक्ष लड़कीकेँ  दहेज लेल प्रताड़ित करय लागल। एतबे नहि लड़की संग मारि-पीट सेहो करैत छल, एहन सूचना भेट रहल अछि। आस्ते-आस्ते बेटी रंजना पर हुनक सासुर पक्ष अनेको तरहक जुर्म करय लागल। एतय तक जे रंजनाकेँ  अपन माँ-बाप आ भाई तक सँ भेंट नहि करय देल जाइत छलनि। लोक-लाजक डरसँ कन्या पक्ष एहि बातक शिकायत पुलिससँ नै केलक। रंजनाक पिता जखन अपन बेटीसँ भेंट करय लेल ओझोल गाम गेलाह तखन रंजना मौका पाबि खिड़कीसँ एकटा चिठ्ठी फेक सासुरक हालसँ अपन पिताकेँ अवगत करेलनि, शायद ओ अंतिम भेंट बनि क’ रहि गेल। शनिदिन 18 अगस्त 2018  रंजनाक सासुर पक्षसँ रंजनाक पिताकेँ फ़ोन अबैत छनि जे रोड एक्सीडेंटमे रंजनाक मौत भ’ गेलनि। इ सुनिते रंजनाक नैहरमे मातम पसरि गेल। जेहि बेटीक बियाह एतेक धूम धामसँ कएने छलथि ओ आब एहि दुनियाँमे नै रहली। हलाँकि सूत्रकें मानी त’ ओझोल गामक किछु लोक सभ कहि रहल छथि जे कनियाकेँ संग माइर-पीट कएल गेलनि आ गरदनि दबा क’ राइतमे मारिदेल गेलनि। आ राइतेमे लहासके जड़वै लेल ल’ जा रहल छल मुदा किछु लोक देख लेलक तकरा बाद इ सभ वापस घर घूमि आयल। आ भिनसरे रोड एक्सिडेंट बला कहानी गढि अपन बेटाकेँ सेहो एकटा निजी अस्पतालमे भर्ती करा देलक। मुदा लाशक हालत किछु आओर कहि रहल अछि।  गला पर नीला निशान, हाथ पैरमे खरोंच, शरीर पर चोट आ घावक निशान किछु अलग कहानी कहैत अछि। घटनाक  सूचना पाबि पुलिस घटनास्थल पर पहुँचि लाशकेँ कब्ज़ामे ल’ पोस्टमार्टमक लेल भेज देलक आ जाँच पड़ताल क’ रहल अछि। प्रशासनक रवैया उदासीन अछि, अखनि धरि कोनो आरोपीकेँ गिरफ्तार नै कएल गेल।  बतादी जे लड़कीके पिता बिहार पुलिसमे कार्यरत छथि आ लड़कीके ससुर बिहार पुलिससँ अवकाश प्राप्त छथि।