मैलोरंग स्टूडियो सं ‘आब मानि जाउ’ केर रिहर्सलक लाइव बौआभाइ केर नजैर सं

    0
    264

    दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइ: अनिल चन्द्र ठाकुर लिखित ओ मैलोरंग प्रकाशन स’ प्रकाशित मैथिली उपन्यास “आब मानि जाउ” केर नाट्य रूपांतरण मैलोरंग रेपर्टरी द्वारा आगामी शनिदिन, १८ जून २०१६क’ दू टा मंचन (समय ३:३० आ ६:३० बजे) आ रविदिन,१९ जून,२०१६क’ दू टा मंचन (समय ३:३० आ ६:३० बजे) मने चारि टा मंचन नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा,दिल्ली केर सम्मुख सभागारमे होमय जा रहल अछि। अग्रज ओ मैलोरंगक निदेशक प्रकाश झा द्वारा निर्देशित एहि नाटकक रिहर्सल देखबाक नियार पछिला दस-बारह दिन स’ होइत रहल छल मुदा बीच किछु अस्वस्थताक कारणें मैलोरंग कार्यालय लगीचमे रहितो जेबामे असमर्थ छलौं। कएक दिनक बाद शनिदिन मैलोरंग जेबाक अवसर भेटल मुदा बिलम्ब स’ पहुँचबाक नोकसान ई जे नाटकक किछुए अंशक अवलोकन संभव भ पाएल, मुदा नाटकक कथा मोंटा-मोंटी जे बुझबामे आएल ओ स्त्री-विमर्श पर आधारित छल।
    एखन रिहर्सलक आधार पर मंच प्रस्तुति सऽ संदर्भित गपसप लिखब उचित नैं हएत, कारण रिहर्सलमे कलाकारक अभिनय, मंचक सजावट, पार्श्व स्थिति, प्रकाश, वस्त्र-विन्यास, मेकअप आदिकें कल्पना मात्र पर स्थापित करबाक बेर-बेर अभ्यास कएल आ कराओल जाइत अछि, जकर असली रूप नाटकक लाइव शोमे देखल जा सकैत अछि आ ताहि मामिलामे मैलोरंग अपन प्रोफेशनल आ परिपक्वताक परिचय विगत कएक बर्ख स देइत आबि रहल अछि। तैं एतबा आश्वस्त छी जे आशानुरूप प्रस्तुति देखबाक अवसर भेटत। हँ’ एतबा जरूर कहब जे रंगप्रेमी लोकनि उक्त तिथि पर उक्त समय ओ स्थान पर पहुँचू हम-अहाँ संग मिलिक’ सम्पूर्ण नाटकक आनन्द लेब आ तखने कोनो रिपोर्ट आ समीक्षा करब उचित हएत।