नदीक तेज धारमे बहल तीनटा बचिया, दूटा अखनो लापता

0
554

छातापुर (सुपौल), मिथिला मिरर : छातापुर, सुपौल थाना क्षेत्र अंतर्गत जीवछपुर पंचायतमे सुरसर नदीमे नहेवा काल रविदिन तीनटा बचिया डुइब गेलीह। हालांकि एकटा बचिया केँ ग्रामीण सभ कोनो तरहें बाहर निकालि लेलनि। हुनक इलाज एकटा स्थानीय निजी क्लीनिकमे चलि रहल छनि। ओमहर दूटा बचियाक पता नै चलि पाबि रहल अछि। रविदिन दुपहरिया दू बजेक आसपास किछु बचिया सभ घास कटवा लेल बहियार गेल छलि। एहि बीच कविता कुमारी(12),  खुशबू कुमारी(16) आ बबली कुमारी(13) नदीमे नहाय लगलीह। नहेवाक क्रममे तीनू बचिया पानिक तेज धारक चपेटमे आबि गेलीह। बचिया सभकेँ बहैत देखि हुनकर सहेलीसभ हल्ला करय लगलीह जाहिसँ खेतमे काज क’ रहल लोकसभ ओतय पहुंचि गेल। सूचना भेटला पर बचिया सभक परिजन सेहो घटनास्थल पर पहुँचलाह। एहि घटनाक बाद मलाहके बजा नदीमे बचिया सभक खोज शुरू क’ देल गेल। मल्लाह सभ कुनो तरहें कविताकें बाहर निकालयमे कामयाब भेल। बचियाकें साँस चलैत देखि हुनका एकटा निजी क्लीनिकमे भर्ती कराओल गेल जतय हुनक इलाज चलि रहल छनि। बबली आ खुशबूकें अखनि धरि कोनो पता नहि चलल अछि। खबरि लिखब समय तक बीडीओ मौका पर पहुँचल छलाह मुदा एसडीआरएफक टीम नै पहुँचल छल। दुनु बचियाकें खोज लगातार जारी अछि।