निकाय चुनावक दौरान प्रत्याशिक गिरफ्तारीकें विरुद्ध सड़क जाम

    0
    396

    दरभंगा, मिथिला मिरर: नगर निगम चुनावक दौरान वार्ड संख्या 48 कें दू टा प्रत्याशीकें हंगामा करब महज पड़ि गेल। पुलिस सोमदिन दुनू प्रत्याशीकें जेल पठा देलक। जकरा बाद समर्थक पंडासरायमे सड़क जाम कए विरोध प्रदर्शन केलक। जिला प्रशासन व पुलिस पर मनमानीक आरोप लगाओल जा रहल अछि। आक्रोशित लोक काफी देर तक नारेबाजी केलक। जबरदस्ती लोककेँ रोकल गेल। 

    सड़कक चारु कात सं बांस-बल्ला लगाकए जाम कए दल गेल। जाहि कारण दूर धरि गाड़ीक कतार लागि गेल। तेज रौद रहलाक कारण लोककेँ काफी परेशानीक सामना करए पड़ल। ज्ञात हो कि रविदिन पुलिस 144के उल्लंघन करबाक आरोपमे प्रत्याशी पीर मोहम्मद व शिव प्रसादकें हिरासतमे लेने छल। जाकर सूचना पर दुनूक समर्थक हंगामा शुरू कए देलक।

    सूत्रक अनुसार पुलिसक डर सं किछुए देरीमे समर्थक भागि गेल। मुदा, भोर होइतहि फेर हंगामा शुरू कए देलक। लोककेँ जहिना पता चलल जे, दुनू प्रत्याशीकें पुलिस नहि छोड़ि रहल अछि त समर्थक प्रदर्शन शुरू कए देलक।