सेफ्टी टैंकमे दम घुटलासँ छह आदमीक जिनगी समाप्त

    0
    333

    मोतिहारी, मिथिला मिरर : मोतिहारी जिलाक बनकटवा प्रखंडके जीतपुर गाममे निर्माणाधीन शौचालयक टंकीमे उतरल एकहि परिवारक छह आदमीक जिनगी समाप्त भ’ गेल। घटना वृहस्पतिदिनक भोरके अछि।  बताओल जा रहल अछि जे नव बनि रहल पैखानाक टंकीमे एकटा बच्चा खसि पड़ल छल। ओहि बच्चाके निकालबा लेल एक-एक क’ टंकीमे उतरल छल। जानकारी केर मुताबिक सभ मृतक एकहि परिवारक छल। मृतकमे जीतपुर वार्ड नंबर-13केँ दिनेश महतो, हुनक पत्नी बचनी देवी, बेटा मोहन महतो, धोनी महतोके अलावे पन्नालाल महतोक बेटा सचिन महतो आ चोकट मुखियाके बेटा सरोज मुखिया शामिल अछि। जदयू प्रखंड अध्यक्ष आ जीतपुर निवासी राजेश्वर प्रसाद एहि घटनाकेँ पुष्टि करैत कहलाह जे दिनेश महतोकेँ  शौचालयक निर्माणाधीन टंकीमे हुनक 16 सालक बेटा धोनी खसि गेल, जकरा बचेबाक लेल एक-एक क’ सभ कियो शौचालयक टंकीमे उतरतल। मुदा ओहिमे सँ एकोटा बाहर नै आओल। दम घुटलासँ सभक मौत भ’ गेल। पुलिस घटनाक जाँच क’ रहल अछि।