mithilamirror@gmail.com
+919560295811

बाबा यात्रीकेँ स्मरण करैत पटनामे संपन्न भेल साहित्यिक चौपाड़ि

| साहित्य/समीक्षा

पटना, मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः साहित्यिक चौपाड़ि पटना ११ जून २०१७ (रविदिन) पटनामे रहनिहार सार्थक ओ सकारात्मक दिशामे अग्रसर साकांक्ष युवा साहित्य सर्जक लोकनि द्वारा आयोजित साहित्यिक चौपाड़ि निरंतरताक संग आगाँ बढ़ि रहल अछि। एहि बेरुक चौपाड़िक आयोजन पटना जंक्शनक लगीचमे बुद्धा स्मृति पार्कक प्रांगणमे भेल। बाबा वैद्यनाथ मिश्र यात्रीक जन्मदिवसक उपलक्ष्यमे हुनका सेहो स्मरण कएल गेल। चौपाड़ि अपन निर्धारित समय ४:०० बजे संध्या सँ प्रारम्भ भेल आ कविक ओ कथाकार लोकनिक बाहुल्यता सँ सजल संध्या ७:०० बजे धरि चलल।

एहि चौपाड़िक सञ्चालन केलनि गुँजन श्री आ बहरबैया आगंतुक कवि मनीष झा बौआभाइ ओ रिपुंजय ठाकुरसँ काव्य पाठ आरम्भ करौलनि। एकरा बाद निरंतरता देइत अपन अपन स्वरचित कथा,काव्य,गीत,गजल आदिमे अपन सहभागिता बनौलनि गुँजन श्री,नवल श्री,अमित पाठक, रघुनाथ मुखिया,रजनीश प्रियदर्शी,नारायण झा,दीप नारायण विद्यार्थी,मुकुन्द मयंक,सत्यम,रिपुंजय ठाकुर,कामिनी चौधरी,प्रियंका,पुतुल,रानी मिश्रा,नीरज झा, कौशल कुमार आदि। वरिष्ठ साहित्यकार ओ अभिभावक लोकनिमे जिनक गरिमामय उपस्थिति रहल से छलाह कथाकार अशोक, विभूति आनंद, धीरेन्द्र कुमार झा, शिवशंकर श्रीनिवास, भैरव लाल दास,शिव कुमार मिश्र एवं अन्य जिनका लोकनिक सान्निध्यतामे चौपाड़ि सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*