मैलाम-सिजौल स्थित संदीप विश्वविद्यालयकेँ भेटल निजी विश्वविद्यालयक दर्जा

    0
    576

    दिल्ली-मिथिला मिररः मुधबनी जिलाक अंधराठाढ़ी प्रखंडक मैलाम पंचायत अंतर्गत मैलाम-सिजौलमे स्थित संदीप विश्वविद्यालयकेँ बिहार सरकारसँ मंगलदिन निजी विश्वविद्यालयक दर्जा प्राप्त भेल। निश्चित रूपहिं ई मिथिलाक लेल एकटा वरदान साबित हैत अहिमे कोनो दुम्मैत नहि। संगहि मिथिलाक माटि-पानि पर अहि विश्वविद्यालयक मादे उच्च आ तकनीकी शिक्षामे सेहो अमूलचूल परिवर्तन हेवाक संभावना बढ़ि गेल।
    लगभग 100 सँ एकड़सँ बेसीक रक्बामे बनल ई विश्वविद्यालय निश्चित रूपहिं शिक्षाक संग-संग ओहिठामक बच्चा सबमे शिक्षाकेँ प्रति एकटा नव चेतना जगेवाक कार्य कऽ रहल अछि तऽ दोसर दिस सैकड़ों व्यक्तिकेँ ओहिठामसँ रोजगार सेहो भेट रहलनि अछि। वर्तमानमे ओहि कैंपसमे एखन बीएड, पाॅलिटेकनिक आ आईटीआईकेँ पढ़ाई शुरू भऽ गेल छैक आ आब जल्दीये बीटेकक पढ़ाई शुरू कैल जाएत।
    संदीप विश्वविद्यालयक चेयरमैन आ सिजौल सहित संपूर्ण मिथिलाक पुत्र संदीप झा शिक्षाक क्षेत्रमे कोन तरहक क्रांति अनलाह एकर प्रमाण बहुत पहिने हुनकर नासिकक कैंपससँ देखल जा चुकल अछि। नासिक कैंपस बहुत पहिने महाराष्ट्र सरकार आ विश्वविद्यालय अनुदान आयोग अर्थात (यूजीसी) सँ मान्यता प्राप्त कऽ चुकल छल आ एहनमे मिथिलाक ई नव कैंपस निश्चित रूपहिं मिथिलाक शिक्षाक व्यवस्थाकेँ नव दिशा देवामे सारथीक काज करत। संस्थाक संस्थापक संदीप झाकेँ मिथिला मिरर परिवार दिससँ अनंत बधाई आ कोटि सह शुभकामना।