सरस्वती पूजाक मंच स’ नव पीढ़ीकें सोझा अनबाक सराहनीय प्रयास

    0
    349

    “विद्यापति मैथिल युवा मंच” द्वारा विनोद नगर दिल्लीमे चौदहम बरखक माँ सरस्वती पूजा महोत्सवक सफल आयोजन कएल गेल. संस्थाक कार्यकर्ता लोकनि उक्त पूजाक आयोजन हेतु दू मास पूर्वहि स’ तन-मन-धनक संग समर्पित आ देल गेल कार्य भारक निष्पादन सम्पूर्ण निष्ठा स’ केलनि अछि. संस्था द्वारा प्रत्येक बर्ख नव-नव प्रयोगक क्रममे एहि बेरुक पूजाक सुअवसर पर नव पीढ़ीक प्रतिभाकें समाजक सोझा अनबाक सचेष्ट प्रयास देखबा में आएल. सांस्कृतिक संध्या कें स्मरणीय बनेबाक उद्देश्य स’ प्रतिभावान छात्र/छात्राकें एहि मंच स’ प्रश्नोत्तरी, चित्रकला,नृत्य ओ संगीत प्रतियोगिताक आयोजन कराओल गेल. एक मास पूर्व स’ छात्र पंजीकरण फॉर्म वितरण होइत रहल अछि आ करीब एक हज्जार स’ बेसी प्रतियोगीक सहभागिता आ हुनक अभिभावकक सहयोग एकर रूपरेखा के आर मजबूती देलनि.

    पूजा दिनुक अस्त-व्यस्त समय सारणी के धेआन में राखि पूर्व-चयन प्रक्रियाक क्रममे दिनांक-२४ जनवरी २०१६ क’ प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिताक पूर्व चयन ओ दिनांक-३१ जनवरी २०१६ क’ गायन आ नृत्य प्रतियोगिता केर पूर्व चयन कएल गेल आ अंतिम चयनित कुल तीस गोट छात्र/छात्राकें मंच स’ पुरस्कृत कएल गेल.

    १३ फरवरी २०१६क’ प्रातःकालीन पूजा आरती स’ प्रारंभ भेल तकरा बाद करीब साढ़े चारि सए छात्र/छात्राक चित्रकला प्रतियोगिता (निर्णायक-वंदना झा,अरविन्द झा,पवन मिश्रा) राखल गेल जाहिमे विषय देल गेल छल महाकवि विद्यापति,गणेश जीक प्रतिमा,माँ सरस्वतीक प्रतिमा,स्वच्छ भारत अभियान, क्लास रूम,दिल्ली मेट्रो आदि. एहि अवसर पर संस्थाक स्मारिका ओ कलेण्डर केर सेहो विमोचन कएल गेल. पूरा दिन भरि चलल कार्यक्रम में प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिता (प्रश्नकर्ता मंडल-पशुपतिनाथ झा, वंदना झा, बबीता झा, डॉली झा) आयोजन ओ अतिथि लोकनिक सत्कार पाग,डोपटा,स्मारिका,कैलेंडर ओ स्मृति चिन्ह आदि स’ होइत रहल. पूजा पंडाल में संस्था संचालित डिस्पेंसरी केर सौजन्य स’ निःशुल्क चिकित्सा परामर्श केंद्र, आइ कैम्प,फिजियोथेरेपी,फिजिशियन आदि चिकित्सक आ रंग-बिरंगक पत्र-पत्रिकाक स्टॉल सेहो एकटा मुख्य आकर्षण छल.

    संस्था द्वारा मंच स’ सम्मानित अतिथि मनीष सिसोदिया (उप-मुख्यमंत्री,दिल्ली सरकार), संजीव झा (विधायक, बुराड़ी,दिल्ली), सरिता मिश्रा (पत्नी-जीवेश मिश्र,विधायक,जाले-दरभंगा), सुशील सिंह (आप के बिहार प्रदेश प्रभारी), निशिकांत ठाकुर (वरिष्ठ पत्रकार आ सम्पादक, शुक्लपक्ष), पूनम झा आजाद (वरिष्ठ सदस्य दिल्ली प्रदेश भाजपा), डॉ. बी. के.झा (चिकित्सक आ समाजसेवी) , अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री, नेपाल सरकार), राजीव झा (जेनरल सेक्रेटरी, नेपाल सद्भावना पार्टी), डॉ. बीरबल झा (प्रबंध निदेशक, ब्रिटिश लिंगुआ), सी.ए. हंसराज चुग, सी.ए. गोपाल केडिया, सी.ए. नितिन कँवर, बी. के. शर्मा, ज्ञान चन्द सिंघल, प्रकाश झा (निदेशक,मैलोरंग), मुकेश झा (रेपर्टरी चीफ,मैलोरंग), शुभ नारायण झा (वरिष्ठ अभिनेता फिल्म एवं रंगमंच) आदि लब्धप्रतिष्ठित लोकनि सम्मानित भेला.

    संध्याकालीन पूजा आरती केर पश्चात रमेश मल्लिक एंड म्यूजिकल ग्रुप द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम केर क्रममे मैथिलीक युवा पीढ़ीक गायक लोकनि अपन प्रस्तुति स’ दर्शककें मंत्रमुग्ध करैत बेस मनोरंजन करौलनि जाहिमे, गायक मदन कुमार झाक स्वर में मैथिली भगवती गीत, राजीव रंजन झा “रॉकस्टार” ओ अमरेश मल्लिक केर जुगलबंदी मे आधुनिक लोक गीत, पुष्पा झा ओ अनुश्री मिश्रा केर जुगलबंदी में झिझिया केर गायन प्रस्तुति आदि खूब थोपड़ी बटोरलनि. बीच-बीच में अतिथि सम्मान ओ नृत्य प्रतियोगिता (निर्णायक-रमण कुमार आ प्रियदर्शिनी पूजा ) आ गायन प्रतियोगिताक (निर्णायक दीपक ठाकुर आ राजीव रंजन झा) प्रतियोगी कें देखबाक/सुनबाक सेहो अवसर भेटल. मंच सञ्चालन मनीष झा “बौआभाइ” केलनि.

    विसर्जन दिनुक पूजा आरती उपरान्त उपस्थित मैथिलानी समूह द्वारा समदाउन गाबि भगवतीक विदाइ करैत मूर्ति विसर्जित कएल गेल. पहिल दिनक पूजा स’ ल’ क’ विसर्जन धरि करीब तीन हज्जार स’ बेसी लोकक उपस्थिति रहल आ कार्यक्रम सभ दृष्टिकोण स’ सफल रहल.

    आयोजन समितिक सदस्यक रूपमे एस.एन.मिश्रा, पं. नारायण जी झा,पं. हृदय नारायण झा, संजीव कुमार झा,तपन झा,बी.एम.मिश्रा,अशोक झा,मणिन्द्र झा,पशुपतिनाथ झा,संजय झा,आनंद झा,प्रफुल्ल झा,राम राघव चौधरी,सरोज चौधरी,मनीष झा,अरविन्द झा,संतोष चौधरी,रणधीर झा,विजय झा,राम चन्द्र झा,भरत झा,मोनिका सोनी, वंदना झा, कोमल सिंह, बबीता झा,डॉली झा, अजय मिश्रा,उमेश देव,रुद्रेश झा,ललन झा,अवधेश झा,कमल नारायण मिश्र,योगेन्द्र झा,विकास झा,नयन रंजन,प्रमोद झा,पवन मिश्रा,सुनील झा,रमेश मल्लिक,आशीष झा, राकेश झा आदिक मेहनैत एहि सफल आयोजन में मुख्य भूमिका निमाहलक संगहि उपस्थिति मैथिल अभियानी- नीरज पाठक, रमानाथ झा, अखिलेश झा, विमल जी मिश्र, हेमन्त झा, अमरनाथ झा, संतोष राठौर,संजय झा “नागदह”, शरत झा, कमलेश मिश्र, सोनू मिश्र, राहुल राय, विभय कुमार झा, रौशन कुमार झा,सुनील शानू , काशी मिश्र ,मुकेश मिश्र, अमरनाथ मिश्र,मुकुन्द मयंक, अभिनेता-नीलेश दीपक,संतोष झा,अमर जी राय, प्रवीण कुमार सिंटू आओर अन्य बहुत गोटे केर उपस्थिति सेहो बेस आकर्षण रहल.

    सहयोगी संस्था- मैथिली लोक रंग (मैलोरंग), एम. एम. प्रोडक्शन टीम (फोटोग्राफी आ वीडियोग्राफी), श्यामा हॉस्पिटल (आइ कैम्प),ब्रिटिश लिंगुआ,मिथिला लोक, मैथिली साहित्य महासभा, मर्यादा मिथिला आदि. कार्पोरेट सपोर्ट- वेल्वोलिन कमिन्स प्राइवेट लिमिटेड. मीडिया पार्टनर- मिथिला मिरर (दिल्ली), मैथिली जिन्दाबाद (विराटनगर,नेपाल),मिथिमीडिया (कोलकाता) आ ई-मिथिला (पटना) आदिक सराहनीय योगदान रहल.