शाश्वत मिथिलाक ‘‘गुजरात मैथिल परिचर्चा गोष्ठी’’ 8 जुलाई क’ अहमदाबादमे

    0
    692

    दिल्ली-मिथिला मिररः साहित्य, संगीत, कला एवं सांस्कृतिक संवर्धन हेतु बनल संस्था ’’शाश्वत मिथिला’’ आगामी 8 जुलाई 2018 क’ गुजरातक अहमदाबाद शहरमे ‘‘गुजरात मैथिल परिचर्चा गोष्ठीक’’ आयोजन क’रय जा रहल अछि। मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहक सफल आयोजनक बाद मिथिला-मैथिलीक प्रति समर्पित प्रबुद्ध सदस्य लोकनिक एकटा वैचारिक गोष्ठीक आयोजन कएल गेल छल जाहिमे एकटा सुझाब आएल छल जे मिथिलाक विभिन्न मुद्दा पर एकटा उच्चस्तरीय बैसार कएल जाय।
    सदस्य लोकनिक बातकेँ ध्यानमे राखैत संस्था आगीम 8 जुलाई क’ एकटा वृहत परिचर्चाक कार्यक्रम आयोजित केलक अछि जाहिमे मुख्य रूपसँ मिथिला संस्कार आ संस्कृति, दहेज मुक्त समाज, मिथिलाक लोककला एवं सांस्कृतिक संवर्धन आ संरक्षण, मिथिलाक विभूति लोकनिक नाम पर सड़क आ पुलक नामकरण आ संबंधित क्षेत्रमे हुनकर प्रतिमाक अनावरण आ अतिथि सम्मान आ संवाद मुख्य रूपसँ शामिल अछि।
    ई कहबामे कनियो अतिश्योक्ति नहि जे देशभरिक मैथिल संस्था जखन विद्यापति आ सांस्कृतिक समारोहक नाम पर राजनीति वा आन-आन तरहक कार्यमे संलिप्त अछि ताहि परिस्थितिमे भारतक पश्चिमी छोर पर बसल ई समाज मिथिलिाकेँ नवीन गाथा लिखबाक लेल सक्षम अछि। एकटा प्रबुद्ध समाजक संग-संग मिथिलाक प्रति अनुराग रखनिहार किछु उर्जावान कार्यकर्ताक उर्जा नहि सिर्फ परदेसमे मिथिलाकेँ स्थापित करत बल्कि पश्चिमसँ पूब दिस विकासकेँ सेहो ल’ जेबा’ दिस प्रयास करत। जँ अपने लोकनिक अहमदाबाद आ आसपासमे होइ तँ एहि कार्यक्रममे अवस्ये भाग ली। कार्यक्रम रविदिन 8 जुलाई 2018 क’ काॅफ्रेंस हाॅल, सर्किट हाउस, शाहीबाग, अहमदाबादमे दुपहरिया 2:30 बजे सांझ 6:30 बजे धरि चलत।