बैटमिंटन के फ़ाइनल मे सिंधु के हार, भारत के रजत पदक स करय पड़ल संतोष

    0
    263

    मिथिला मिरर-शिवेश झा: ओलिंपिक मे आय भारत के लेल एकटा स्वर्णिम अवसर छल। भारतक स्टार बैटमिंटन खिलाड़ी पीवी सिंधु अहि अवसर के भुनेबाक भरपूर प्रयासो केलनि, मुदा मारिन के खेल शैलीक आगू अंततः सिंधु के घुटना टेकय पड़लनि आ भारत के रजत पदक स संतोष करय पड़ल।

    आय फाइनल मुकाबला मे दुनियाक नंबर एक बैटमिंटन खिलाडी कैरोलिना मारिन संग कोर्ट मे उतरितहि सिंधु इतिहास रचली संगहि सेमीफाइनल के अप्पन दमदार खेल जारी राखैत पहिल सेट 21-19 स जीत कय कोर्ट पर हलचल मचा देली। मुदा नंबर एक खिलाडी मारिन एतेक जल्दी हारय बाली नहि छली। दोसर गेम में मारिन वापसी करैत सिंधु के 21-12 के अंतर स गेम अप्पन नाम केलनि।

    आब गोल्ड हासिल करबाक लेल तेसर निर्णायक गेम शुरू भेल। जाहि मे मारिन शुरुए स अप्पन दबदबा बनेबा मे सफल रहली। मुदा सिंधु भारतक उम्मीद पर एतेक जल्दी पानि नहि फेराय देलनि और मुकाबला मे वापसी करैत एक बेर 10-10 के बराबरी पर स्कोर आनि लेने छली मुदा अंततः अहि स्कोर के अपना पक्ष मे नहि मोड़ि पेली, और अंतिम सेट 21-15 के अंतर स गवा बैसली।