वैशाली स गिरफ्तार कायल गेल इंटरक साइंस टॉपर राहुल के

    0
    254

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहार इंटरमीडिएट टॉपर्स घोटालाक जांच मे जुटल एसआइटीक टीम आय अहि मामला स जुड़ल आरोपी आ साइंस टॉपर राहुल के वैशाली स गिरफ्तार केलक। राहुल के चांदपुरा थाना क्षेत्र स गिरफ्तार कायल गेल। जानकारीक अनुसार राहुल एतय अप्पन कोनो रिश्तेदारक ओतय नुकायल छलाह।

    अहि स पहिने बिहार बोर्ड राहुल कुमारक रिजल्ट रद्द कय देने छल। ज्ञात हो कि राहुल इंटर साइंस मे तेसर टॉपर छलाह। एसआईटीक प्राथमिकी मे सौरभ श्रेष्ठ के इंटर साइंसक सेंकेंड टॉपर आ राहुल कुमार के चारिम टॉपर बताओल गेल छल।

    साइंसक टॉप-10 मेधा सूची मे शामिल राहुल बच्चा राय के वीआर कॉलेज, कीरतपुर, भगवानपुर, वैशाली के छात्र छलाह। विवादक बाद बिहार बोर्डक रिजल्ट वेबसाइट पर स सौरभ श्रेष्ठ आ राहुल कुमार के संग शालिनी रॉय के मार्क्सशीट स हुनकर सब विषयक अंक हटा देल गेल।