हत्याक विरोध मे सीतामढ़ी-पुपरी सड़क जाम

    0
    248

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहारक सीतामढ़ी जिला के नगर थानाक भैरोकोठी चौक के समीप बुधदिन राति सरपंचक पति मो. अनवर के हुई हत्याक विरोध मे आक्रोशित लोक सीतामढ़ी-पुपरी मार्ग के जाम कय यातायात के अवरूद्ध कय देलक।

    सूत्रक अनुसार जिलाक भूपभैरो पंचायतक सरपंच संजीला खातुन के पति मो. अनवर जहन भैरोकोठी चैक के समीप किछु लोक सं बातचीत कय रहल छल तखनहि अपराधी गोली मारिकय हत्या कय देलक। घटना के अंजाम देलाक बाद अपराधी हथियार लहराबैत फरार भय गेल। घटनाक सूचना पर पहुंचल पुलिस लहास के पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक।

    फोटो: काल्पनिक