mithilamirror@gmail.com
+919560295811

साँसद आदर्श ग्राम योजनाके तहत दामोदरपुरकेँ गोद लेनिहार साँसद हुकुमदेव यादवक कटुसत्य

| महत्वपूर्ण खबरे

दिल्ली,मिथिला मिरर-रामबाबू सिंहः 11 अक्टूबर 2014 सँ शुरुआत कएल गेल प्रधानमंत्रीक चर्चित सांसद आदर्श ग्राम योजना जकर उद्देध्य गामक लोकमे एहन नैतिक मूल्यके संस्थापित होय जाहिसँ ओ आत्म निर्भर सँग समाजके सेहो आत्म निर्भर करबाक प्रयास करय। समाजमे सभ वर्गक लोकक विकास होय आ ओ समाज दोसर समाज लेल एकटा आदर्श संस्थापित करय जाहिके देखादेखी दोसर गाम सेहो अपनहि गामक विकास लेल समर्पण सँग आगू बढ़ि काज करबाक प्रयास करताह। तखन समाजमे एकगोट क्रांतिकारी परिवर्तन देखल जा सकैए। अहि योजनामे संसदके दुनु सदनके सांसद एक एक गोट आ फेर 2016के बाद आरो दू दू टा गोद लेबाक प्रक्रिया करताह।

बुझि नै कतय कतय कोन कोन गाम आदर्श गामक सूचीमे आएल मुदा मधुबनी जिलाक गामक स्थिति जसके तस अछि। हुकुमदेव नारायण यादव मधुबनी केर साँसद छथि आ ओ दामोदरपुर गाम विकासक लेल गोद लेने छलाह। जखन ओ घोषणा केलथि तखन गामक लोकक पएर बुझु जमीन पर नहि। मानि लेलाह जे आब हमर गाम कोनो आन गामसँ कनिओ घट नहि रहत। ओ अप्पन साँसद महोदयके खूब स्वागत अभिनन्दन कएलाह। स्वागतक फूलमाला पहिरकS जे गेलाह से फेर सँ दोबारा ओहि गाम नहि घुरि अएलाह। कम सँ कम जानकारी लेबाक लेल जे ओतय किछु भ रहल छैक या नहि।

अहि तरहक नेता जी सँ कोन आश जे गोद लेल गामक बाटहि बिसरि गेलाह। कहु तँ कनिओ नहि अपन जबाबदेही बुझलाह आ कानमे तुर ध’ सुतल रहलाह। सुनल गेल जे अहि योजनाके तहत बेगूसरायके साँसद भोला सिंह कविवर दिनकर जीक गामक गोद लेने छलाह। ओहि गामक पक्कीया पथक निर्माण भेल मुदा जखन ग्रामीण लोकनि विद्रोह पर उतरि गेलाह आ भोला बाबूक जमीन पर सभ कियो ठाड़ भ’ अपन विरोध प्रदर्शन कएलाह तखन विवश भ’ ओहि गामक सुधि लेलाह। तहिना की हुनको सँग करय पड़तनि आ की ओ स्वयं गच्छल काजके पूरा करताह।

लगभग साढ़े तीन साल बीत गेलाक बादो एखनो धरि ओहि गामक स्थिति जसकेँ तस बनल अछि। आब किछु समय बाद सरकार एक बेर फेरसँ चुनावक तैयारीमे लागि जाएत आ एहनमे जौं मोदी सरकार एक बेर फेरसँ हुकुमदेव नारायण यादवकेँ मधुबनीसँ टिकट देत तऽ नहि सांसद आदर्श योजना अपितु बहुत एहन योजना अछि जाहि पर सांसदक विरोध हेवेटा करत आ एहनमे कमसँ कम मधुबनी लोकसभाक सीट भारतीय जनता पार्टी द्वारा बचाओल नहि हैत।
कहल तऽ इहो जाइत अछि जे अहि बेर कमसँ कम जौं अंतिम दिन तत्कालिन स्टार प्रचारक आ प्रधानमंत्री पदक उम्मीदवार नरेन्द्र मोदी अपन अंतिम सभा दरभंगा आ मधुबनीमे नहि केने रहितथि तऽ दरभंगा, मधुबनी आ झंझारपुर सीट भाजपाकेँ झोरामे नहि आबैत। आब ई देखब चिलचस्प हैत कि लोकसभा आ टीवीमे नमहर-नमहर गप्प हांकैवला सांसद हुकुमदेव नारायण यादव अहि सरकारक बांचल समयमे की सब करैत छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*