बाबा विश्कर्माकें समर्पित मणिकांत झा केर इ रचना

    0
    285

    निर्माणक देवा के विश्वकर्मा बाबा के
    सब मीलि करियौन प्रणाम्
    संक्रांतिक दिन आबि गेल ।
    तारिख सतरह मास सितंबर
    हाथी चढ़ल हाथ लेने लोहंगर
    पधारि गेला देखू भगवान
    संक्रातिक दिन आबि गेल ।
    सबजन बेहाल छथि मिस्त्री इंजिनियर
    एकहि समान सब के सीनियर जुनियर
    गैरेजो मे पूजा विधान
    संक्रांतिक दिन आबि गेल ।
    कते सुंदर ई दुनियाँ के गढ़लनि
    फुर्सति ने कखनो तैं दाढ़ी बढ़लनि
    मणिकांतो पर राखथि धियान
    संक्रांतिक दिन आबि गेल ।
    – मणिकांत झा , दरभंगा ।
    १७-०९-१६
    विश्वकर्मा पूजा