एसएससी जेई’क परीक्षा मे लीक भेल प्रश्न पत्र

    0
    323

    सुपौल, मिथिला मिरर: एसबी कॉलेज आरा मे एसएससी जेई’क परीक्षा मे गड़बड़ी के मामला प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार परीक्षा सं पहिनहि प्रश्न पत्र लिक हेबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार प्रथम पाली मे दोसर पाली के पेपर विद्यार्थी के देल गेल छल।

    बताओल जा रहल अछि जे, अधिकांश परीक्षार्थी प्रश्न पत्र भेटलाक बाद पढ़ि लेने छल, जकरा बाद प्रश्न पत्र वापस लेल गेल। मुदा टा धरि प्रश्न पत्र वाट्सएप पर वायरल भय गेल छल, जाहि के बाद परीक्षा रद्द करबाक मांग उठि अछि।