रियायती दाम पर अनाज भेटय सं गरीब परिवार एखनहु वंचित

    0
    271

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार मे खाद्य सुरक्षा कानून लागू अछि, जाहि के तहत अंत्योदय योजना तथा बीपीएल परिवार के रियायत दर पर जनवितरण प्रणाली स राशन आ मटिया तेल मुहैया कराओल जा रहल अछि। मुदा व्यवस्था त्रुटिपूर्ण हेबाक कारण काफी संख्या मे सुविधा संपन्न लोक पीडीएस सं अनाज उठा रहल अछि। जहन कि पैघ संख्या मे गरीब, भूमिहीन एवं मजदूर लोक राशन स वंचित अछि।

    राज्य सरकारक निर्देशक बावजूद गरीब व भूमिहीन परिवार लाभ स वंचित अछि। आपूर्ति विभागक लापरवाही के कारण आय सैकड़ो गरीब परिवार सरकारी अनाज स वंचित अछि। अहि सं आपूर्ति विभाग पर सवाल उठय लागल अछि।

    मधवापुर प्रखंड मुख्यालय स महज 11 किलोमीटर के दूरी पर स्थित अछि बलवा पंचायत। पंचायत मे चारि टा जनवितरण प्रणालीक दोकान अछि। बलवा गाम स्थित रामचंद्र यादवक दोकान संख्या 43/07 पर कुल 442 उपभोक्ता के बीच जनवरी माहक 1215, 500 लीटर मटियातेल, खाद्य सुरक्षा योजना के तहत 223 यूनिट के उपभोक्ता के बीच 35 क्विंटल 64 किलो चाउर एवं 23 क्विंटल 76 किलो गहूंमक वितरण हेबाक बात डीलर कहलनि। जहन कि अंत्योदय योजना के तहत क्षेत्र के 75 परिवारक बीच चाउर 15.75 क्विंटल एवं गहूंम 10.50 क्विंटल वितरण कायल गेल अछि। करीब 700 स अधिक गरीब परिवार आय धरि खाद्यान्न स वंचित छथि।