फाइनलमे बैंगलोर कें 8 रन सं हरा सन राइजर्स हैदराबाद बनल चैंपियन

    0
    304

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः रविदिन राइत चिन्नास्वामी स्टेडिममे खेलल गेल आईपीएल-9 केर फाइनल सब तरहें रोमांचक आ दर्शकक लेल टका वसूल करैयवला खेल रहल। अहि हाईटेंशन मैच मे टॉस जीत हैदरबादक कप्तान डेविड वार्नर पहिले बल्लेवाजी करवाक निर्णय लेलाह। हलांकि शुरूआतीक तीन ओवरमे मैच थोड़े शांत रहल मुदा ओहिकें बाद वार्नर और धवन अपन हाथ अहि तरहें खोललनि जे विरोधी धराशाई भए गेलाह। 28 रनक स्कोर पर धवन त कैच आउट भए गेलाह मुदा दोसर दिस धुंआधार बल्लेवाजी करैत स्कोरकें सम्मान जनक स्कोर तक पहुंचा देलाह।
    एक बेर फेर सं हैदराबादक कप्तान वार्नर कप्तानी पारी खेलाइत 69 बनेलाह जखन कि बेन कटिंगक धुंआधार 39 रनक बदौलत हैदराबाद अपन रन संख्याकें 208 तक पहुंचेवामे सफल रहल, खास बात इ रहल जे फाइनलमे युवाराज सिंह प्रदर्शन सेहो ठीक-ठाक रहलनि आ ओहो 38 रनक पारी खेललाह।
    209 रनक पहाड़ सन लक्ष्यक पाछू करैत उतरल बैंगलोरकें टीम तूफानी शुरूआत करैत स्कारेकें 9 ओवरमे बिना कोनो नुकसानक 100 कें पार पहुंचा देलक। बैंगलोरकें दिस सं क्रिस गेल 38 गेंदमे 76 रनक तूफानी पारी खेलैत मैचकें पूर्ण रूप सं सहज बना देने छलाह, मुदा क्रिस गेल कें गेलाक बाद मोर्चा कप्तान कोहली संम्हारलनि आ ओहो तुरंत 50 बना लेलाह। मुदा अहि दुनू विकेट ऑउट भेलाक बाद कियो बैंगलोर दिस सं नहि टिकला आ अंतमे हैदराबाद अहि रोमांचक मैचकें 8 रन सं जीत लेलक।
    अहि टूर्नामेंटमे सब सं बेसी 973 रन बना कऽ विराट कोहली ऑरेंज कैप रहला जखन कि हैदराबादक भुवनेश्वर कुमार सब सं बेसी 23 विकेट लय सीरीजमे पर्पल कैप हासिल करवामे सफल रहलाह। श्रृंखलामे दोसर स्थान पर रन बनेवामे वार्नर 848 आ एबी डिविलियर्स 682 रन बना तेसर स्थान पर रहला।