नै रहलाह स्वतंत्रता सेनानी स्वतंत्रदेव सिंह

0
386

मुंगेर, मिथिला मिरर : सोमदिन 27 अगस्तकेँ मुंगेर जिलाक लौना गाम निवासी स्वतंत्रता सेनानी स्वतंत्रदेव सिंह  (90)  निधन भ’ गेलनि। लगभग 8 महिनासँ जिनगी आ मौतक बीच संघर्ष क’ रहल छलाह। स्वतंत्रदेव सिंह स्वतंत्रता संग्राममे अहम भूमिका निभौलनि। श्री सिंह देशक रणबांकुर सभक लेल धन संग्रह करैत छलाह संगहि समाचार संप्रेषण सेहो करैत छलाह। हुनक बुद्धिमताक कारण अंग्रेज सरकार कहियो हुनका गिरफ्तार नहि क’ सकल। स्वतंत्रता सेनानी श्री सिंहकेँ दूटा पुत्र आ तीन पुत्री छनि। स्वतंत्रता सेनानीकेँ निधन पर हुनका सम्मान देबाक लेल तारापुर एसडीओ उपेंद्र सिंह, बीडीओ श्याम कुमार, तारापुर थानाध्यक्ष शंकर दयाल प्रभाकर राष्ट्रीय तिरंगा आ पुष्प माला अर्पित क’ स्वतंत्रता सेनानीके राजकीय सम्मानसँ सम्मानित केलाह। विधायक मेवालाल चौधरी कहैत छथि जे स्वतंत्रदेवजी मात्र देशभक्त नै छलाह ओ एकटा आदर्श पुरुष आ कुशल समाजसेवी सेहो छलाह। श्रद्धांजलिक लेल तारापुरक प्रमुख संजय कुमार सिंह, राष्ट्रीय मानवाधिकार संगठनक जिला अध्यक्ष अमरनाथ चौधरी, पूर्व जिला पार्षद संजय सिंह, स्वतंत्रता सेनानी शशि प्रसाद, सत्यदेव सिंह, प्रो. कुमोद सिंह आदि उपस्थित छलाह। स्वतंत्रता सेनानी स्वतंत्रदेव सिंहक निधनसँ लौना सहित पूरा क्षेत्र शोकाकुल अछि।