सैनिक’क शहादत पर 11 लाख अनुग्रह अनुदान देत बिहार सरकार

    0
    236
    ओतहि, कैबिनेट 65वा अखिल भारतीय पुलिस कुश्ती प्रतियोगिता 2016 के लेल 22.53 करोड़ स्वीकृत केलक अछि। सरकार बीएमपी-5 मे मल्टी कॉम्पलेक्स इंडोर स्टेडियम के निर्माणक फैसला सेहो केलक अछि।

    कैबिनेट बिहार मोटर स्पिरिट आ हाई स्पीड डीजल ऑयल लाइसेंसिंग शुल्क मे बढ़ोतरी करबाक फैसला लेलक अछि। सरकार डीलर आ एजेंसी शुल्क मे बढ़ोतरी केलक अछि। ओतहि, कैबनेट बिहार वित्त अधिनियम 2014 मे संसोधन केलक अछि।

    नीतीश कैबिनेट दू टा विवाह करय के आरोपी आ दरभंगा के तत्कालीन जिला जन संपर्क पदाधिकारी अनंत कुमार’क सेवा बर्खास्त करबाक निर्णय सेहो केलक अछि। ओतहि, कटिहार के बलरामपुर प्रखंड के तत्कालीन चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. संजय कुमार के पांच साल सं अधिक समय सं लगातार सेवा सं अनुपस्थित रहबा पर सेवा सं बर्खास्त करबाक निर्णय लेलक अछि।