दरभंगामे शराब बंदीकेँ बाद सड़क हादसामे कमी

    0
    517

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सुरक्षित सड़क यातायात एकटा गंभीर समस्या बनल अछि। सब साल सैकड़ो लोकक जान अहि दुर्घटनामे होइत अछि। दर्जनो लोक दिव्यांग होइत अछि। बावजूद यातायात नियमक सख्ती सं पालन नहि होइत अछि। सर्वोच्च न्यायालयके आदेशक बावजूद ‘ब्लैक स्पॉट’ (ओहेन जगह जतय अधिक सड़क हादसा होईत हो) कें आय धरि चिन्हित नहि कएल गेल अछि। वाहनक गतिक जांचके लेल कोनो व्यवस्था नहि अछि। दरभंगाक लेल ई सुखद बात अछि जे, वर्ष 2015कें तुलनामे 2016’मे सड़क हादसाक संख्यामे कमी आयल अछि। एकर एकटा कारण शराबबंदी मानल जा रहल अछि। 2015 मे 169 व 2016 मे 134 गोटे सड़क हादसाक शिकार भेल अछि।

    2015 मे कुल सड़क दुर्घटना 329 भेल छल, जाहिमे मरय वलाक संख्या 169 छल, जहन कि 222 गोटे घायल भेल छल। जहन कि 2016 मे 248 घटनामे 134 गोटेक मौत तथा 152 गोते घायल भेल छल।

    सरकारी आंकड़ाकें अनुसार पिछला साल 248 सड़क हादसा दर्ज कएल गेल। ओतहि वर्ष 2015 मे 329 सड़क हादसा दर्ज छल। वर्ष 2015 कें जनवरीमे 29, फरवरीमे 20, मार्चमे 33, अप्रैलमे 32, मईमे 41, जूनमे 31, जुलाईमे 33, अगस्तमे 20, सितंबरमे 19, अक्टूबरमे 20, नवंबरमे 22 आ दिसंबरमे 29 सड़क हादसा दर्ज कएल गेल छल।