मंदिरक जमीन के लेल भेल विवाद, दर्जनो लोक हिरासत मे… धारा 144 लागू

    0
    304

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिला मे मंदिरक जमीन के लेल भेल विवाद मे जमि कय उपद्रव भेल। नाराज लोक सब चारि टा मोटरसाइकिल मे आगि लगा देलक आ कतेको के क्षतिग्रस्त कय देलक। हालात बेकाबू होइत देखि प्रशासन धारा 144 लगा देलक आ भारी संख्या मे सुरक्षा बल के तैनात कय देलक। घटना जिला के भरवारा के अछि, जतय मंदिरक जमीन पर कब्जा के लय क पहिने सं विवाद चलि रहल अछि। पुलिस हंगामा आ तोड़फोड़ करय वला 15 गोटे के हिरासत मे लेलक अछि।

    जानकारी के अनुसार भाजपा विधायक आ एकटा विधान पार्षद के मंदिरक जमीन पर पहुँचतहि दोसर पक्षक लोक सब विधायक पर लाठी सं हमला कय देलक। विधायक अप्पन अंगरक्षक के मददि सं कोनो तरह ओतय सं बचि कय निकलि गेलाह, परंतु विधायक समर्थक तुरंत जवाबी कार्रवाई करैत विधायक पर हमला करय वला पर हमला कय देलक।

    अहि दौरान एक घंटा धरि पूरा इलाका रण क्षत्र बनल रहल। तक़रीबन एक घंटा तक पुलिस मौन रहल।
    घंटा भरि बाद भारी संख्या मे पहुंचल पुलिस लाठीचार्ज शुरू केलक तहन जा कय भीड़ पर काबू कायल गेल। पुलिस मामले मे तक़रीबन दर्जन भरि उपद्रवी के गिरफ्तार केलक अछि।