एनएच निर्माणक लेल पूर्व सांसद देलनि आंदोलनक चेतावनी

    0
    256

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: पूर्व सांसद आ जदयू नेता डॉ. अर्जुन राय एनएच-104 के दू लेन करबाक संग-संग एनएच 527-सी व 222-ए के निर्माण जल्द शुरू करबाक लेल आंदोलनक चेतावनी देलनि अछि। ओ कहलनि जे, तीनू सड़कक लेल 20 अरब स अधिक राशि स्वीकृत अछि, मुदा केंद्र सरकारक उदासीनता के कारण एकर निर्माण रूकल अछि। ओ सुरसंड मे जदयू नेता चंद्रिका प्रसादक प्रतिष्ठान मे संवाददाता के संबोधित कय रहल छलाह।

    ओ अप्पन उपलब्धि गिनबैत कहलनि जे, रुन्नीसैदपुर, नानपुर, पुपरी, बाजपट्टीक रसलपुर, परिहार, भिसवा बाजार तक जाय वला स्टेट हाइवे-87 के निर्माण कार्य हमर प्रयास स भेल अछि। 400 करोड़क लागत स बनय वला अहि सड़क स पांचो प्रखंड के काफी लाभ भेल अछि।

    पूर्व सांसद कहलनि जे, शिवहर स नरहिया तक 169 किमी के एनएच-104 के डबल लेन बनेबाक स्वीकृति ओ 2013 मे तत्कालीन केंद्रीय मंत्री सीपी जोशी स करेने छलाह। सड़क एवं पुल-पुलिया निर्माण मिलाकय अहि के लेल 800 करोड़ स अधिक के राशि स्वीकृत अछि। एकर निर्माण भारत सरकार के करेबाक अछि, मुदा एखन धरि अहि के काज शुरू नहि भय सकल अछि।