पंचतत्व मे विलीन भेलाह राजदेव, डीजीपी सं भेंट करत पत्रकार संघ

    0
    268

    दिल्ली-मिथिला मिररः सीवानमे हिन्दुस्तान अखबारक दिवंगत ब्यूरो चीफ राजदेव रंजन कें दाहसंस्कार कय देल गेल। राजदेवक पैतृक गाममे हजारोक संख्यामे उपस्थित लोकक बीच राजदेवकें अंतिम बिदाई देल गेलनि। शुक्रदिन राइत करीठ 8 बजे सीवानमे मोटर साईकिल पर आएल अज्ञात अपराधी राजदेवकें सीवानक रेलवे पुल लग प्वाइंट जीरो सं गोली माइर कऽ हत्या कऽ देने छल।
    पुलिस अहि संदर्भमे 3 गोट संदिग्धकें हिरासतमे लय ओकरा सं सघन पूछताछ कऽ रहल अछि। ओमहर शनिदिन सांझ मे बिहार पत्रकार संघक सदस्य लोकनि राज्य पुलिस महानिदेशक अर्थात (डीजीपी) पी. के. ठाकुर सं भेंट कऽ एकटा ज्ञापन दऽ राजदेवक हत्या कांडमे संलिप्त अपराधी कें शीघ्र सं शीघ्र पकड़ल जाए संगहि राजदेवक परिवारकें उचित मुआवजा सहित परिवारकें सुरक्षा आ एकटा सरकारी नौकरी देल जाए। ओमहर देश भरिमे पत्रकार संघ राजदेव रंजन आ इंद्रदेव यादवक हत्या पर प्रतिकार दिवर आ नानान तरहक विरोध मार्च कऽ रहल अछि।