सीतामढ़ीमे पोस्टमास्टरकें बंधक बनाओल गेल

    0
    256

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बथनाहा थाना क्षेत्रक मझौलिया गाम स्थित खादीभंडार भवनमे पिछला 25 साल सं संचालित डाकघर स्थानांतरित करबा सं आक्रोशित ग्रामीणों पोस्टमॉस्टर छठू भगतकें बंधक बनाकए घंटो बवाल कएल गेल। डाक अधिकारीके विरुद्ध नारेबाजी आ जमिकए प्रदर्शन कएल गेल। ग्रामीणक आरोप छल जे, किछु दबंग व्यक्ति विभागीय पदाधिकारीकें रुपैयाक बल पर भाड़ा कमेबाक नीयत सं डाकघरकें निजी मकानमे स्थानांतरित करेलक अछि।

    खादी भंडारक भवनमे संचालित डाकघरकें ग्रामीणक सुविधा भेटि रहल छ्ल। डाकघरमे आबए वलाक लेल एतए बैसबाक संग अन्य सुविधा सेहो उपलब्ध छल, मुदा निजी मकानमे स्थानांतरित हेबा सं ग्रामीणकें आबए-जाएक समस्याक संग बहुतो समस्या बढ़ि जाएत। अहि संबंधमे पूछला पर बंधक बनाओल गेल पोस्टमास्टर भगत ग्रामीणक आरोपकें सही बतबैत कहलनि जे, ई वरीय अधिकारीक आदेश पर निर्णय लेल गेल अछि।

    खादी भंडारमे संचालित डाकघरके एवजमे किराया देल जा रहल छल। स्थानांतरितकें बाद सेहो किराया देबए पड़त। एहेनमे अनावश्यक रूप सं डाकघरकें स्थानांतरित करब समझ सं परे अछि।